एक जुलाई स भेटत टीईटी क फार्म

पटना। प्राथमिक विद्यालय मे नियोजन लेल शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीईटी) क फार्म एक स 14 जुलाई तक जिला आ अनुमंडल स्तर पर उपलब्ध होएत। भली-भांति भरल गेल आवेदन पत्र ओहि केंद्र पर स्वीकार कैल जाएत जाहि ठाम स आवेदन फार्म कीनल गेल रहत। फार्म जमा भेलाक बाद परीक्षा क तिथि क संबंध मे फैसला कैल जाएत। एससीईआरटी मे विभाग स सबटा भरल आवेदन पत्र प्राप्त करबा लेल 6 अगस्त क तिथि तय कैल गेल अछि। जिला शिक्षा पदाधिकारी (डीईओ), क्षेत्रीय शिक्षा उपनिदेशक (आरडीडीई) आ जिला शिक्षा अधीक्षक (डीएसई) कए टीईटी क नव शेडयूल पर विस्तार स बता देल गेल अछि आ एकरा सब गोटे औपबंधिक रूप स स्वीकार करि लेलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments