एक आओर पुल ध्वस्त, एकटा आओर जान गेल

समस्तीपुर/ बेगूसराय /पटना। समस्तीपुर जिला क विभूतिपुर मे बूढ़ी गंडक नदी पर बनल पुल क एकटा हिस्सा क टूिटकए खसबा स एक व्यक्ति क मौत भ गेल। दर्जनभर लोक घायल सेहो अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि मामला मे लापरवाही बरतनिहार अभियंता कए निलंबित करबाक आदेश देलथि अछि। एहि संबंध मे मुख्यमंत्री समस्तीपुर क जिलाधिकारी स गप केलथि अछि आओर इ आदेश देलथि अछि जे दुर्घटना मे घायल लोकक इलाज सरकार क खर्च पर हेबाक चाही। बूढ़ी गंडक नदी पर विभूतिपुर मे बनल पुल क मरम्मत चलि रहल छल। प्रतिबंध क बावजूद जर्जर पुल स भ कए बस गुजरि रहल छल। ताहि स पुल धंसए लागल एकर बाद बालू लदल 10 चक्का वाला ट्रक जखने पुल पर आयल त राम उद्गार पासवान ओकरा रोकबा लेल पुल क बीच पहुंच, मुदा ताबत धरि पुल ध्वस्त भ गेल आ एहि दुर्घटना मे राम उद्गार पासवान अपन जान गवा बैसलाह। पुल पर काज करैत दर्जनभर स अधिक लोक सेहो मलबा क संग नदी मे जा खसल। एहि मे फफौत गांव क विजय कुमार अवस्थी, कुंदन कुमार अवस्थी, रंजीत गुप्ता, मो. शब्बीर, राहुल रजक, अरुण गुप्ता क अलावा समस्तीपुर जिला क विभूतिपुर थाना क नरहन निवासी अशोक पूर्वे, सतीश मिश्रा, शिक्षक टुनटुन पासी शामिल छथि।
एहि बीच पथ निर्माण विभाग स समाद भेटल अछि जे जर्जर पुल क संबंध मे विभाग सब डिवीजन स ब्योरा मंगलक अछि। अभियंता कए इ सेहो कहबा लेल कहल गेल अछि जे ओ इ रिपोर्ट सेहो दथि जे जर्जर पुल पर बैरियर लागल अछि या नहि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments