एके थिसिस पर दू छात्र पीएचडी करैत फकड़ल गेलाह

भागलपुर/मुजफ्फरपुर। टीएमबीयू से पी एज डी केनिहार दू छात्र क एके थिसिस बीआर ए विवि मुजफ्फरपुर मे पकड़ल गेलाह अछि। थिसिस जाँच करबा हेतु टीएमबीयू से मुजफ्फरपुर विवि क एक्सपर्ट पठाओल गेल छलाह। जाँच क क्रम मे दूनू छात्र क एके थिसिस भेटल जेकरा एक्सपर्ट रिजेक्ट क देलन्हि आ एकर सूचना टिएमबीयू क कुलपति से कैलन्हि। एहि स्थित मे दूनू छात्र क पीएचडी प्रक्रिया रद्द भ सकैत छैन।

सूचना प्राप्त होइतहीं कुलपति द्वारा दूनू छात्र क सब जानकारी मांगल गेल अछि। टिएमबीयू क राजनीति विभाग क छात्र जान रॉलस ( जस्टिस ) विषय पर पीएचडी क रहल छथि। एके विषय पर विवि शिक्षक क अंदर दूनू छ।त्र पी एचडी क रहल छथि। उल्लेखनीय अछि जे एहि तरहक मामला पहिनो भेल अछि। किछु एहि सब तरहक टॉपिक जे विवि के पठाओल गेल,ओकरासब के विवि खारिज क देलक अछि।
कुलपति के शिकायत भेटल अछि  जे पीएचडी करेबा लेल माफिया सब सक्रिय छथि जिनका से दूर क छात्र सब संपर्क करैत छथि आ एहन छात्र सब के टापिक देल जाइत अछि।एकर एवज मे छात्र सब से जथगर पाई लेल जाइत अछि। हुनका सब के पीएचडी प्रक्रिया से संबंधित सब मैटेरियल उपलब्ध करा देल जाइत छैन। एह प्रकरण पर कुलपति  नलिनी कांत झा कहला जे दूनू छात्र क थिसिस आ टॉपिक एके अछि, मुजफ्फरपुर एक्सपर्ट दूनू के रिजेक्ट क देलन्हि अछि।रिसर्च बोर्ड से सेहो संबधित जानकारी माँगल गेल अछि। पीएचडी कराब बाला शिक्षक क संबंध जानकारी एकत्र कयल जा रहल अछि, जाँचोपरांत कारर्वाई कयल जायत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here