एकटा सपना छल, जे पूरा भ गेल : शिवनाथ

sivनई दिल्ली। वरिष्ठ पत्रकार शिवनाथ झा कहलथि अछि जे मैथिली क विकास मे महिलाक आगू भेनाई एकटा शुभ संकेत अछि। झा सोमदिन प्रेस क्लब ऑफ इंडियाक सभागार मे मैथिलीक पहिल इ पेपर क लोकार्पण करबाक बाद सभा कए संबोधित करैत छलाह। श्री झा कहलथि जे आइ बहुत कम लोग अछि जे मिथिला-मिहिर देखने अछि। मैथिली भाषा मे अखबार एकटा सपना रहल जे आइ पूरा भ रहल अछि। ओ कहलथि जे महिला लोकनि कए इ प्रयासक अभिनंदन करबाक चाही। मैथिली एकटा समृद्ध भाषा अछि, मुदा पूंजीक अभाव क कारण एहि भाषा मे अखबार नहि निकली सकल छल। इंटरनेटक माध्यम से पूंजीक आवश्यकता कम भ गेल अछि आ एहन मे मैथिलीक अखबार हमरा लोकनि कए सामने अछि। हमरा पूरा विश्वास अछि जे समाद मिथिलाक आवाज त बनबे करत एकर संग-संग इ देश कए पत्रकारिता मे अपन अलग पहचान कायम करत। श्री झा कहलथि जे समाद एकटा शुरुआत करि देलक अछि, आब एकरा एकर लक्ष्य तक पहुंचेबा लेल हमरा सब कए अपन-अपन योगदान देबाक चाही। हम आशा करैत छी जे समाद हमरा लोकनि लेल अभिव्यक्तिक सशक्त माध्यम बनत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments