एकटा औपचारिक भेंट

नई दिल्ली मे आयोजित एकटा समारोह मे नेपाल क प्रधानमंत्री बाबूराम भट्टराई कए स्मृति चिह्न प्रदान करैत बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर जदयू अध्यक्ष शरद यादव।

नेपाल क प्रधानमंत्री बाबूराम भट्टराई आइ राष्ट्रपति भवन मे राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल स भेंट केलथि। चारि दिन लेल भारत यात्रा पर आयल डा. भट्टराई राष्ट्रपति क संग द्विपक्षीय मसला पर विचार-विमर्श केलथि। एहि स पूर्व पूर्व विदेश मंत्री एस एम कृष्णा मेहमान नेता स भेंट केलथि आ करीब एक घंटा तक द्विपक्षीय सहयोग क विभिन्न मसला पर चर्चा भेल। नेपाल मे विकास काज मे भारतीय सहयोग पर विशेष रूप स विचार-विमर्श कैल गेल। श्री कृष्णा कहला जे सीमा प्रबंधन पर सेहो चर्चा भेल। दूनू नेता नेपाल मे संविधान लागू करबा आ ओहि ठाम शांति प्रक्रिया कए आगू बढाबा पर सेहो गप केलथि।
एहि भेंट क दौरान नेपाल क विदेश मंत्री नारायण काजी श्रेष्ठ आ नेपाल मे भारत क राजदूत जीतेन्द्र प्रसाद सेहो उपस्थित छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments