एकटा आर भ्रष्‍टाचारी क संपत्ति जब्त

पटना। भ्रष्टाचार क माध्‍यम स जमा संपत्ति क मालिक क खिलाफ भ रहल कार्रवाई क चपेट मे कैमूर क पूर्व प्रमंडल वन अधिकारी भोला प्रसाद सेहो आबि गेलाह अछि। हुनकर कई करोडक संपत्ति जब्त करि लेल गेल अछि। संपत्ति जब्त करबाक कार्रवाई जिला व्यावहारिक न्यायालय क आदेश पर कैल गेल अछि। निगरानी ब्यूरो पूर्व डीएफओ क खिलाफ जांच करि आय स बेसी संपत्ति अर्जित करबाक मुकदमा निगरानी कोर्ट मे दर्ज केने अछि। पटना क अपर जिलाधिकारी सुरेश कुमार क अनुसार फुलवारीशरीफ आ ओकर आसपास संपत्ति जब्ती क कार्रवाई कैल गेल अछि। हुनकर संपत्ति पर राज्य सरकार क संपत्ति क बोर्ड लगा देल गेल अछि। हुनकर अनुसार सरकारी तौर पर रजिस्टर्ड जब्त संपत्ति क दाम 61.62 लाख टका अछि जखनकि बाजार दर क हिसाब स इ कई करोड मे आंकल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments