एएमयू कए भेटल जमीन

पटना। किशनगंज में अलीगढ़ मुस्लिम विश्र्वविद्यालय (एएमयू) क सेंटर लेल जमीन क संकट दूर भ गेल। राज्य सरकार एक ठाम 224.02 एकड़ जमीन उपलब्ध करा देलक अछि। राज्य मंत्रिपरिषद एहिस संबंधित प्रस्ताव कए स्वीकृति प्रदान करि देलक। मुख्य सचिव नवीन कुमार क अनुसार पहिने देल गेल जमीन तीन टुकडा में छल, जे विश्‍वविद्यालय प्रशासन कए मंजूर नहि छल। आब एक ठाम जमीन द देल गेल अछि राजस्व विभाग मानव संसाधन विभाग कए जमीन मुहैया कराउत आ शिक्षा विभाग एएमयू कए जमीन हस्तांतरित करत। इ जमीन किशनगंज में मौजा चकला आ मौजा गोविंदपुर क अछि। एक टका सांकेतिक सलामी आ लगान जमा कराकए एएमयू कए इ भूमि एहि शर्त क संग देल जा रहल अछि जे एकर उपयोग ओ घोषित उद्देश्‍य क अनुरूप करत। सरकारक एहि फैसलाक संगहि एहि विश्‍वविद्यालय लेल जमीनक विवाद खत्‍म भ गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. Bahut khusi ke gapp je AMU ke lel jamin bhetal, sanghi BHU seho Rajya sarkar se jamin mangne chhal je charcha chaal je Madhubani District me del jayat se ki bhel??

  2. BHU seho Rajya sarkar se jamin mangne chhal je charcha chaal je Madhubani District me del jayat se ki bhel??

    दयाकान्त बाबु से कहीं गया तऽ नञि शिफ्ट भऽ गेल ?

Comments are closed.