एएमयू कए भेटल जमीन

नई दिल्‍ली। अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय (एएमयू) क किशनगंज (बिहार) में स्थापित भ रहल सेंटर लेल बिहार सरकार सबटा बाधा दूर करि देलक। एकरा लेल बिहार सरकार पहिने 224.02 एकड़ जमीन एकठाम द देने छल। शुक्रदिन एहि भूमि क अधिग्रहण सेहो भ गेल। भूमि स संबंधित कागजात क कार्रवाई लेल एएमयू कुलपति आ रजिस्ट्रार किशनगंज मे छथि। गौरतलब अछि जे किशनगंज में एएमयू सेंटर लेल बिहार सरकार पहिने अलग-अलग तीन ठाम जमीन देने छल, जाहि पर विवाद भ गेल छल। एकर बाद सेंटर पर राकांपा, राजद आ कांग्रेस राजनीति शुरू करि देने छल आ बिहार सरकार पर एहि सेंटर कए खोलबाक प्रति अगंभीर हेबाक आरोप लगेने छल। बिहार सरकार आइ विवि प्रशासन कए किशनगंज क मौजा चकला में 224.02 एकड़ भूमि अधिग्रहण करि सौंप देलक। आशा कैल जाए जे नवका साल मे एएमयू सेंटर एहि ठाम खुलि जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments