एएमयू कए बाद आब जेएनयू आउत बिहार

पटना । बिहार मे केंद्रीय यूनिवर्सिटी सब अपन शाखा खोलबा लेल एक एक क प्रस्‍ताव पठा रहल अछि। अलिगढ़ मुस्लिम विवि क बाद बनारस हिंदू विवि क प्रस्‍ताव बिहार सरकार लग पहुंच चुकल अछि। ताजा सूचनाक अनुसार दिल्‍ली स्थित जवाहर लाल नेहरू यूनिवर्सिटी सेहो अपन शाखा बिहार मे खोलबा पर विचार क रहल अछि। एहि प्रस्‍ताव क संबंध मे जखन विधान परिषद मे सरकार स सवाल कैल गेल त सरकार एकर स्‍वागत करैत कहलक जे बिहार मे उच्‍च शिक्षा लेल इ शुभ संदेश अछि। विधान परिषद मे शिक्षा मंत्री घोषणा केलथि जे जेएनयू कए बिहार मे शाखा कार्यालय खोलबा लेल सरकार जमीन देत। ज्ञात हुए जे नालंदा अंतराराष्‍ट्रीय यूनिवर्सिटी क काज तेज गति स जारी अछि आ किशंनगंज मे पिछला मास यूपीए अध्‍यक्ष सोनिया गांधी एएमयू क शिलान्‍यास केलथि अछि। बीएसयू सेहो बिहार मे अपन शाखा खोलबाक प्रस्‍ताव केंद्र लग पठा चुकल अछि, बिहार सरकार बीएचयू लेल दरभंगा प्रमंडल मे जमीन ताकि रहल अछि। एहन मे जेएनयू किया पाछु रहत आ ओ सेहो एहि प्रस्‍ताव पर काज शुरू क देलक अछि। ओना जे किछु हुए उच्‍च शिक्षा आ शोध लेल आब बिहार स बाहर गेनाई छात्र लेल मजबूरी नहि रहत, एतबा त निश्चित भ रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

Comments are closed.