एंड्रॉयड ऑपरेटिंग सिस्टम स होएत सडकक निगरानी

पटना। बिहार देश क पहिल राज्य अछि जे अपन निगरानी तंत्र कए मजबूत करबा लेल एंड्रॉयड ऑपरेटिंग सिस्टम कए अपनेलक अछि। बिहार मे मोबाइल टेक्नोलॉजी क इस्तेमाल निगरानी लेल कैल जा रहल अछि। बिहार राज्य सड़क विकास निगम क अधिकारी एहि माध्‍यम स सड़क परियोजना क काज कोना चलि रहल अछि तेकर निगरानी सह जानकारी रखताह। इ अधिकारी जिला मुख्यालय कए अपन ऑफिस मे बैसकए गूगल क एंड्रॉयड ऑपरेटिंग सिस्टमयुक्‍त स्मार्टफोन क मदद स सड़क परियोजना क जायजा लैत रहताह। इ तकनीक तत्‍काल दूटा परियोजना पर प्रयोग कैल जा रहल अछि। जाहि मे स एकटा 1,602 करोड़ क अछि। एकर तहत गंगा नदी पर 5.5 किलोमीटर लंबा पुल तैयार करबाक अछि, जे बख्तियारपुर कए शाहपुर स जोडत। एकर संगहि चारि लेन वाला 45.4 किलोमीटर क अप्रोच रोड सेहो बनत। दोसर परियोजना 917 करोड़ क अछि। इ आरा आ मोहनिया क बीच दू लेन वाला सड़क कए चारि लेन मे बदलल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. बाह, बिहार सभ किछु में पहिल बनि रहल अछि

Comments are closed.