उद्यमी कए कर्ज मुक्त करबा लेल एकमुश्त योजना

पटना। बिहार राज्य वित्तीय निगम (बीएसएफसी) उद्यमी कए कर्ज स मुक्ति दिएबा लेल एकमुश्त समझौता योजना (वनटाइम सेट्लमेंट स्कीम) लागू केलक अछि। एहि योजना क लाभ एखन धरि प्रदेश क 329टा उद्यमी उठा चुकलथि। उपमुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे 17 अगस्त स इ योजना सब उद्यमीक लेल लागू भ चुकल अछि। मोदी कहला जे बीएसएफसी क एहि योजना क तहत मूल राशि आ ओकर 10 फीसदी राशि क भुगतान करि उद्यमी आ लीजकर्ता ऋणमुक्त भ सकैत छथि। एहि मे बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार (बियाडा) बीएसएफसी कए 24.53 करोड़ टकाक भुगतान केलक अछि, जाहि स कुल 329 उद्यमी पूर्ण रूप स ऋण मुक्त भेलथि अछि। ओ कहला जे हुनका उम्मीद अछि जे एहि योजना स करीब 1500 उद्यमी ऋणमुक्त हेताह आ बीएसएफसी कए सेहो 35-40 करोड़ टका वसूली स प्राप्त भ सकैत अछि। ओ कहला जे औद्योगिक प्रांगण सब मे  अवस्थित रूग्ण आ बंद पड़ल इकाइ स बकाया क निबटारा क लेल बियाडा आ बीएसएफसी मे एकटा समझौता भेल अछि।
एहि बीच, बियाडा शिकायत क निपटारा लेल गठित कैल गेल एकल खिड़की एखनधरि आठटा उद्यमी स गप करि चुकल अछि। इ उद्यमी पाटलीपुत्र, फतुहा आ बक्सर औद्योगिक क्षेत्र स संबंध रखैत छथि। एकर अलावा औद्योगिक नीति मे निहित प्रावधान क तहत जेनरेटिंग सेट अनुदान क लेल सरकार द्वारा उपलब्ध कराउल गेल राशि क वितरण कैल जा रहल अछि। मुजफ्फरपुर औद्योगिक क्षेत्र क एग्रोफीड इंडस्ट्री कए 8.21 लाख, बरौनी औद्योगिक क्षेत्र क कुमार सीमेंट कए 2.16 लाख, हाजीपुर औद्योगिक क्षेत्र क पारस पब्लिकेशन्स कए 3.78 लाख आ पाटलीपुत्रा औद्योगिक क्षेत्र 6.11 लाख क राशि उपलब्ध कराउल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments