उत्पाद विभाग क राजस्व मे चालीस फीसदी क इजाफा

पटना। उत्पाद विभाग क प्रधान सचिव अमीर सुबहानी आ बिहार राज्य ब्रिवरेज कॉरपोरेशन क प्रबंध निदेशक विनय कुमार कहला अछि जे उत्पाद विभाग क राजस्व मे वर्तमान वित्तीय वर्ष मे पिछला वर्ष क तुलना मे 40 फीसदी बढ़ोतरी भेल अछि। जनवरी तक क आंकड़ा क अनुसार उत्पाद विभाग कए 715.06 करोड़ टका क राजस्व हासिल भेल अछि, जे तय लक्ष्य क 99.04 फीसदी अछि। सुबहानी कहला जे फरवरी स उत्पाद विभाग विभिन्न स्तर पर लाइसेंस फीस मे बढ़ोतरी करि देलक अछि। मात्र एहि बढ़ोतरी स विभाग कए लगभग सौ करोड़ टकाकअतिरिक्त राजस्व भेटत। पूर्व उत्पाद मंत्री जमशेद अशरफ क आरोप कए खारिज करैत ओ कहला जे विभाग क सबटा निर्णय मंत्री क सहमति स होइत अछि। ऑपरेशन स संबंधित कोनो फाइल मुख्यमंत्री क लग मे नहि जाइत अछि। दोसर दिस बिहार राज्य ब्रिवरेज कॉरपोरेशन क मार्जिन मे बढ़ोत्तरी हेबा स 50 करोड़ क अतिरिक्त राजस्व उत्पाद विभाग कए हासिल होएत। संवाददाता सम्मेलन मे उत्पाद विभाग क अधिकारी वंदना प्रेयसी कहली जे विभाग क लक्ष्य शत-प्रतिशत दुकान क बंदोबस्ती क अछि। दुकान क बंदोबस्ती प्रक्रिया क वीडियोग्राफी होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments