इरकॉन बदललक अपन पेटी कॉन्ट्रैक्टर

0
3
esamaad maithili newspaper

दरभंगा । सब दिस स आलोचना झेल रहल आ पटना उच्च न्यायालय स सड़क निर्माण लेल अंतिम तारीख तय केला क बाद इरकॉन दरभंगा शहर मे सड़क निर्माण क लेल अपन पेटी कॉन्ट्रैक्टर कए बदलि देलक अछि। आशा कएल जा रहल अछि जे आब निर्धारित समय सीमा क भीतर नगरवासी चिक्कन सड़क पर चलि सकताह। पटना उच्च न्यायालय चैम्बर क तरफ स दायर जनहित याचिका क सुनवाई क बाद इरकान कंपनी कए नगर क प्रमुख दूनू मुख्य पथ क निर्माण नौ माह क भीतर पूरा करबाक निर्देश देलक। मालूम हुए जे नगर क दूनू मुख्य सड़क, वीआईपी सड़क आ दरभंगा-लहेरियासराय मुख्य पथ क निर्माण काज बाधित भ गेल छल। उच्च न्यायालय इरकान कए दूनू मुख्य पथ बनेबाक निर्देश देलक। कोर्ट इ सेहो आदेश देलक अछि जे इरकान पेटी कॉन्ट्रैक्टर कए बदलि सकैत अछि। इरकान द्वारा कोर्ट मे हलफनामा दायर करि सूचित कएल गेल छल जे ओ कमला कंस्ट्रक्शन कए निर्माण काज स अलग करैत आब कोर्णाक एसोसिएट कंस्ट्रक्शन लि. कए पेटी कॉन्ट्रैक्टर नियुक्त केलक अछि। आब इ दूनू सड़क क निर्माण कोर्णाक कए करबाक अछि, मुदा इरकॉन कए प्रत्येक चारि माह पर प्रगति प्रतिवेदन कोर्ट मे प्रस्तुत करबाक छैक।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page