इग्नू स भेटत आब मैथिली मे डिग्री

दरभंगा। इंदिरा गांधी नेशनल ओपेन युनिवर्सिटि यानी इग्नू क पाठय़क्रम मे एहि साल स मैथिली शामिल भ गेल। मैथिली पहिने छल मुदा सार्टिफिकेट कोर्स मे। एहि वर्ष क जुलाई सत्र स मैथिली कए डिग्री कोर्स मे शामिल कैल गेल अछि। आब स्नातक क डिग्री लेल संबंधित छात्र आधुनिक भारतीय भाषा क रूप मे मैथिली क सेहो चयन करि सकैत दथि। इग्नू क दरभंगा क्षेत्रीय केन्द्र निदेशक डॉ.शंभू शरण सिंह कहला जे पहिने आधुनिक भारतीय भाषा क सूची मे हिन्दी, अंग्रेजी, सहित पंद्रह भाषा शामिल छल। एहि साल स एहि सूची मे सोलहम स्थान पर मैथिली कए सेहो जगह देल गेल अछि। ओ कहला जे विश्वविद्यालय स स्नातक क डिग्री लेल प्रथम वर्ष क आधार पर पाठय़क्रम मे मैथिली कए शामिल हेबा स मिथिला सहित पूरा राज्‍यक छात्र कए काफी आसानी भ जाएत। स्नातक द्वितीय आओर तृतीय वर्ष क पाठय़क्रम पहिने क भांति रहत। ओ कहला जे इग्नू क पाठय़क्रम मे मैथिली कए शामिल करबाक पहल करीब तीन साल पहिने शुरू भेल छल। एहि दौरान एहि विषय क लेल विशेषज्ञ द्वारा अध्ययन सामग्री तैयार कैल गेल। आब एकर छपाई अंतिम दौर मे अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. Bahut khusik baat sangi sampadak mahoday ekta swak achhi je Ki IGNOU M.A. Maithili soho prarambh kelak ki sanghi Study Center and Examination Bihar se bahar soho howak byabstha achhi ki. Dhanyabad

Comments are closed.