इको पार्क क नाम आब राजधानी वाटिका भेल


पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सचिवालय परिसर मे पर्यावरण आ वन विभाग क दिस स तैयार इको पार्क क उद्घाटन केलथि। ओ एहि पार्क क नामकरण राजधानी वाटिका केलथि अछि। पार्क क बगल मे तीन माह मे स्मृति वन तैयार भ जाएत। मुख्यमंत्री कहला जे राजधानी वाटिका क उपयोग शहर क लोक जैविक उद्यान क विकल्प क रूप मे करतथि। एहि ठाम लोक कए टहलबा लेल कच्चा आ पक्का बाट तैयार भ रहल अछि। पार्क कए शीघ्र तैयार करबा लेल सात-आठ साल पुरान गाछ लगाउल जाएत। मुख्यमंत्री अधिकारी कए निर्देश देला जे देहरादून मे फारेस्ट रिसर्च इंस्टीच्यूट स सात-आठ साल पुरान गाछ लगेबाक प्रशिक्षण लेल जाए। ओ कहला जे एहि पार्क मे टहलैत मोर लोककआकर्षण बनत। मुख्यमंत्री कहला जे राज्य मे वन क काफी कमी अछि। वन कए बढ़ावा देबा लेल प्रदेश क पहाड़ी पर बीज क छिड़काव बरसात क दिन मे हवाई जहाज स कैल जाएत। समारोह मे उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे राजधानी वाटिका बनलाह स जैविक उद्यान पर लोक क दबाव कम होएत। ओ कहला जे खटालक शहर बनि चुकल पटना आइ पार्क क शहर क रूप मे विकसित भ रहल अछि। शहर मे कुल 104 पार्क अछि। 72 पार्क मे काम चलि रहल अछि। पांचटा पार्क कए लोक क लेल खोलि देल गेल अछि। 31 पार्क मे काज अन्तिम चरण मे अछि। स्टेशन स्थित बुद्ध स्मृति पार्क सेहो तेजी स तैयार कैल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments