इंदिरा आवास लेल भेटत 70 हज़ार टका

0
2
esamaad maithili newspaper

नई दिल्ली। भूमिहीन आ बेघर लोग क आन्दोलन आखिरकार सफल भेल, इंदिरा आवास क राशि क बढ़ा कए 70 हज़ार कए देल गेल छल। गुरु दिन प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह क अध्यक्षता मे भेल मंत्रिमंडल क बैठक मे इ फैसला लेल गेल। आब एहि योजना क तहत भेटय बला वित्तीय राशि क बढ़ा कए 45 हज़ार टका से 70 हज़ार कए देल गेल छल। ओतहि नक्सल प्रभावित क्षेत्र आ पर्वतीय राज्य मे इ मदद 48,500 से बढ़ा कए 75 हज़ार कए देल गेल छल। संगे भूमिहीन लाभार्थी क लेल जाही जगह पर आवास बनाएल जाएत तकरा किनय बला राशि सेहो दुगुना कए देल गेल छल। पहिने एहि लेल जतेs 10 हज़ार टका प्रति आवास भेटैत छल ओतहि आब 20 हज़ार टका देल जाएत। हरेक आवास मे शौचालय बनेबाक लेल सेहो 9 हज़ार टका अलग से देल जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page