इंदिरा आवास लेल आब भेटत 45 हजार

पटना । राज्य सरकार इंदिरा आवास क राशि आ मनरेगा (महात्मा गांधी रोजगार गारंटी योजना) क मजदूरी बढ़ा देलक अछि। आब इंदिरा आवास क लेल 45 हजार टका भेटत। मनरेगा क दैनिक मजदूरी सेहो 104 टका स बढ़ाकए 108 टका भ गेल अछि। ग्रामीण विकास मंत्री भगवान सिंह कुशवाहा क मुताबिक इ बढ़ोतरी एक अप्रैल, 2010 स लागू मानल जाएत। मंत्री कहला जे नव व्यवस्था क अनुसार गरीब कए इंदिरा आवास बनेबा लेल 45 हजार टका दू किश्त मे भेटत। पहल किश्त 30 हजार होएत। शेष 15 हजार दू मास क भीतर मुहैया करा देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments