इंटर टॉपर क सूची मे दरभंगा-दरभंगा

पटना । बिहार बोर्ड क सिलेबस पर भेल इंटर विज्ञानक परीक्षा क परिणाम मे दरभंगा क जलबा रहल । टॉपर क सूची मे पहिल आ दोसर स्थान एहि प्रमंडलक छात्र हासिल केलथि । एतबे नहि प्रथम 10 टॉपरक सूची मे दरभंगा क एहि दूनू छात्रक अलावा कुल आठ टा दरभंगा क छात्र क कब्जा  रहल। विद्यापति स्कूल, बाजितपुर, समस्तीपुर क विकास कुमार सिंह जतए 429 अंक क संग राज्याक टॉपर भेलाह अछि, ओतहि विद्यापति स्कूल, बाजितपुर, समस्तीपुर क यशस्वी कश्यप 426 अंक क संग दोसर स्थान प्राप्त केलथि अछि। प्रथम आ दोसर स्थानक बाद 423 अंक क संग सुशील कुमार वर्मा पांचम, 422 अंकक संग शिवानंद कुमार आ श्रवण कुमार संयुक्त रूप स छठम, 420 अंकक संग विकास कुमार आठम स्थान, 419 अंकक संग विपुल कुमार नवम् स्थान, 418 अंकक संग प्रशांत कुमार दसम स्थान प्राप्त क दरभंगा क नाम रोशन केलथि अछि। एहि साल क परिणाम मे सबस खास गप रहल जे टॉपर क सूची मे पटना क कोनो छात्र शामिल नहि छथि । परिणाम क लिहाज स सबसे कम छात्र भागलपुर स पास केलक, जखन कि मुंगेर क प्रतिशत सबस नीक रहल। कुल सफल छात्र क प्रतिशत सेहो मुंगेर 93.08 आ मगध 92.36 क बाद 91.38 क संग दरभंगा तेसर स्थान पर रहल। समस्तीपुर क विद्यापति स्कूल क इतिहास गौरवशाली रहल अछि । बिहार क मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह एहि स्कू‍लक पूर्ववर्ती छात्र छथि । ओ 1972 मे एहि स्कूल स 10वीं पास केने छथि। एकर अलावा आओर एहन नाम अछि जे एहि स्कूकलक रत्न भेलाह अछि । एतबा गौरवशाली स्कूल मे सुविधाक नाम पर किछु नहि अछि । जाहि स्कूल क छात्र राज्य क सबस पैघ नौकरशाह अछि ओहि स्कूल मे आधारभूत संरचनाक घोर अभाव पैघ सवाल ढार करैत अछि । सुविधाविहीन एहि स्कूल क इ परिणाम एहि ठामक शिक्षक आ प्रधानाचार्य कए नमन करबा लेल बाध्य करैत अछि। निश्चित रूप स विद्यापति स्कूल पर हमरा सब कए गर्व करबाक चाही । पटना 89.01 । मगध 92.36 । तिरहुत 89.55 । सारण 88.62 । भागलपुर 74.16 । मुंगेर 93.08 । पूर्णिया 85.64 । कोसी 91.38 । दरभंगा 83.00 ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments