आसियान देश करत नालंदा विश्वविद्यालय क पुनरद्धार मे मदद

asp-samaad
हुआ हिन (थाइलैंड)। पूर्वी एशियाई देश बिहार क नालंदा विश्वविद्यालय क पुनरद्धार करि एकरा फेर स शुरू करबाक प्रयासक समर्थन क प्रतिबद्धता व्यक्त केलक अछि । संगहि एकरा लेल कोष क व्यवस्था करब आ पूर्वी एशिया शिखर सदस्य देश क अन्य विश्वविद्यालय क संग सहयोग करबाक संकल्प लेलक अछि। भारत आ आसियान देश क शासनाध्यक्ष आ राष्ट्राध्यक्ष नालंदा विश्वविद्यालय कए एकटा गैर सरकारी, धर्म निरपेक्ष आ स्वशासी अंतरराष्ट्रीय संस्था क रूप मे पुनरद्धार करबा लेल समर्थन व्यक्त केलथि। आसियान देश क एहि ठाम आयोजित शिखर बैठक क बाद एहि मे भाग लेनिहार देश एकटा संयुक्त बयान मे कहलक, ‘एहि विश्वविद्यालय क स्वरूप अंतरराष्ट्रीय होयत, जाहि मे सबटा एशियाई देश क प्रतिभाशाली आ समर्पित विद्यार्थी शिक्षा हासिल करि सकताह। एहि ठाम छात्र सहिष्णुता आ सौहार्द जइसन गुण क विकास क लेल दार्शनिक, ऐतिहासिक आ आध्यात्मिक क शिक्षा हासिल करि सकताह। एहि देश क नेता नालंदा आ ईएएस देश क विशिष्ट केंद्र क संग सहयोग आ नेटवर्किंग कए बढ़ावा देताह। ओ सार्वजनिक आ निजी क्षेत्र क सहभागिता समेत विभिन्न स्रोत स कोष क सेहो व्यवस्था करताह। बयान मे एहि प्राचीन काल क प्रतिष्ठित विश्वविद्यालय क पुनत्र्थान क भारत सरकार क पहल क स्वागत कैल गेल अछि। बयान मे नालंदा क विकास क लेल गठित नालंदा मेंटर ग्रुप क सिफारिश आ ओकर योगदान की सराहना कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

Comments are closed.