आशा मिश्रा कए साहित्य अकादमी पुरस्कार

दरभंगा । मैथिली लेल साल 2014 क साहित्य अकादमी पुरस्कार एहि बेर आशा मिश्रा कए हुनकर मैथि‍ली उपन्यास ‘’उचाट’’ लेल देल जाएत । शुक्र दिन नई दिल्ली मे भेल साहित्य अकादमी क कार्यकारिणी क बैठक मे आशा मिश्रा क नाम क घोषणा कएल गेल । अगला साल फरवरी क अंत मे हुनका इ पुरस्कार प्रदान कएल जाएत ।  साहित्य अकादमी मे मैथि‍ली क प्रति‍नि‍धि‍ वीणा ठाकुर इ जानकरी दैत कहलथि‍‍ जे मैथि‍ली साहित्य लेखन मे वर्षो स लागल आ प्रख्यात हृदय रोग विशेषज्ञ डा. गणपति मिश्र क पत्नी श्रीमती मिश्र विभि‍न्न विधा मे रचना क बादो मूल रूप स कथाकार क रूप मे परिचि‍त छथि‍ । हुनकर पहिल कृति 1996 मे ‘सभ स पैघ विजय’ पाठक लग आयल । तकर बाद 2005 मे ‘थाहैत स्वप्न’ आ 2010 मे उपन्यास ‘उचाट’ सोझा आयल । 6 जुलाई 1950 मे जनमल आशा मिश्र भागलपूर विश्वविद्यालय स हिन्दी साहित्य आ दर्शनशास्त्र से 1969 मे स्नातक केने छथि‍ । उचाट हिनकर पहिल उपन्यास छल । डॉ ठाकुर क अनुसार 18 दिसंबर कए नई दिल्ली मे जूरी क सदस्य जाहि मे पूर्व प्रतिनिधि‍ डॉ सुरेश्वर झा, डॉ देवकांत झा, आ शैफालिका वर्मा शामिल छलथि इ फैसला लेलथि‍ । इसमाद परिवार दिस स श्रीमति मिश्रा कए बधाई ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

3 टिप्पणी

  1. नीक लागल
    अप्पन समाजक समाद पढि कै

Comments are closed.