आमिर संग पटना मे थ्री इडियट्स देखताह नीतीश!

0
7


पटना। नरेंद्र मोदी आ नीतीश कुमार मे पिछला लोकसभा चुनाव स प्रतिद्वंद्विता जारी अछि। लोकसभा चुनाव में राजग कए शानदार जीत दिया, मोदी कए पाछु छोड़लाक बाद नीतीश आर्थिक विकासक मामला मे सेहो मोदी स मात्र शून्य दू फीसदी पाछु रहलाह। आब टटका मामला फिल्म स अछि। मोदी हाल मे अमिताभ क फिल्म पा देखलाह अछि। आब नीतीश मोदी कए उत्तर देबा लेल आमिर खान क हिट फिल्म थ्री इडियट्स देखताह। नीतीश कहला जे ओना त ओ पा सेहो देखबाक इच्छा सेहो रखैत छी, मुदा हुनकर सिनेमा हाल पहुंचला स पूरा सिस्टम अस्त-व्यस्त भ जाइत अछि। मुदा थ्री इडियट्स देखबा स अपना कए नहि रोकि पाबि रहल छी।
सूत्रक कहब अछि जे मोदी आ आमिर मे झगड़ा अछि, एहन मे नीतीशक आमिरक फिल्म देखब एक प्रकार स मोदीक राजनीतिक उत्तर अछि। ओना एकर खाका रविदिन तैयार भ चुकल छल। मुंबई मे आमिर खान स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क खूब गुफ्तगू भेल। आमिर मुख्यमंत्री क बगल मे बैसल छलाह। मुख्यमंत्री आमिर कए कहला जे ओ (नीतीश) सोचैत छलाह जे अपन फिल्म क प्रचार मे अहां (आमिर) बिहार जरूर आएब। एहि पर आमिर खान कहला जे ओ बिहार एबाक योजना बना रहल छथि, मुदा एखन धरि किछु तय नहि भ सकल अछि। मुख्यमंत्री आमिर खान कए बिहार एबाक निमंत्रण सेहो देलथि अछि। आमिर निमंत्रण कए स्वीकार करि लेलथि अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page