आब 90 सेकेंड मे फाइल हाजिर

पटना । एनआईसी क मदद स मानव संसाधन विभाग एकटा एहन साफ्टवेयर विकसित करि रहल अछि, जाहि स विभाग क कोनो फाइल महज 90 सेकेंड मे उपलब्ध भ सकत। एकर संगहि ई-गवर्नेस क तहत सरकारी कामकाज मे पारदर्शिता आनल जा सकैत अछि। एहन भेला पर अपन तरहकबिहारपहिल प्रदेश भ जाएत। अप्रैल माह क अंत तक इ व्यवस्था क्रियाशील भ जाएत। विभाग निकट भविष्य मे संचिका कए वेबसाइट पर उपलब्ध करेबाक योजना पर सेहो काज करि रहल अछि। एहि परियोजना क लेल बिहार प्रशासनिक सुधार मिशन क तहत ब्रिटेन क डिपार्टमेंट आफ इंटरनेशनल डेवलपमेंट (डीएफआईडी) कए 40 लाख क राशि उपलब्ध कराउल गेल अछि। राज्य सरकार स हरी झंडी भेटलाक बाद विभाग नवंबर माह स एहि पर काम करि रहल अछि आ आब स्मार्ट फाइल कीपिंग सिस्टम तैयार करि लेलक अछि। आब विभाग क कोनो संचिका गायब नहि भ सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments