आब 65 मे रिटायर हेताह मेडिकल कालेज क टीचर

पटना। बिहार स्वास्थ्य चिकित्सा शिक्षा संवर्ग क चिकित्सा पदाधिकारीक सेवानिवृत्ति क आयु 62 स बढ़ाकए 65 वर्ष करि देल गेल अछि। एहि प्रकार स मेडिकल कॉलेज क टीचर आब 65 साल मे रिटायर हेताह। राज्यमंत्रिपरिषद क बैठक मे संबंधित प्रस्ताव कए स्वीकृति द देल गेल। कैबिनेट कईटा आओर फैसला सेहो लेलक अछि। कैबिनेट क बैठक क बाद प्रधान सचिव कैबिनेट अफजल अमानुल्लाह कहला जे अन्य फैसला गन्ना उत्पादन कए प्रोत्साहन क लेल सरकार 25 करोड़ टका क मंजूरी देलक अछि। चालू वर्ष मे पंचायत प्रतिनिधि क मासिक मानदेय, भत्ता आदि क भुगतान क लेल 40 करोड़ टका क अनुदान कए सेहो मंजूरी द देल गेल। ओ कहला जे बैठक मे पटना उच्च न्यायालय क आदेश क आलोक मे बरौनी नगर परिषद क गठन क निर्णय कए वापस ल लेल गेल अछि। जखकि पुलिस आधुनिकीकरण क लेल चालू वर्ष मे 15 नक्सल प्रभावित जिला मे प्रति जिला दू करोड़ क हिसाब स 30 करोड़ टका खर्च करबाक प्रस्ताव कए मंजूरी भेट गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments