आब 31 अगस्त कए तय होएत के करत मधेपुरा कारखानाक निर्माण

0
13
esamaad maithili newspaper

मधेपुरा । मधेपुरा मे प्रस्तावित ग्रीन फील्ड विद्युत रेल इंजन कारखाना क भाग्‍य 31 अगस्‍त कए खुलि सकैत अछि। कई बेर रद़द भ चुकल तारीख क बाद केंद्र सरकार एकर  वित्तीय निविदा लेल फेर स 31 अगस्‍तक तारीख निर्धारित केलक अछि। तकनीकी निविदा लेल चारिटा अंतरराष्ट्रीय कंपनी सीमेन्स, बोम बार्डियर्स, जीई आ आरस्ट्रांग चुनल गेल अछि। सब किछु ठीक रहल त 31 अगस्त कए वित्तीय निविदा खुललाक बाद एहि कारखाना क निर्माण क गति तेज होएत । अंतिम रूप स कोनो कंपनी क चयन त 31 कए बाद बुझना जायत, मुदा सूत्र क मानि त अमेरिकी कंपनी जीई आ बोम बार्डियर्स क बीच मुख्‍य मुकाबला अछि ।

उल्‍लेखनीय अछि जे एहि कारखाना कए प्राथमिकता द केंद्र सरकार ‘मेक इन इंडिया’ प्रोजेक्ट मे एकरा बिहार क मॉडल प्रोजेक्ट बनेबाक फैसला लेलक अछि। कारखाना स लकए इंजन निर्माण क काज अंतरराष्ट्रीय स्तर क कंपनी करत। वर्तमान मे इ प्रोजेक्ट 13 सौ करोड़ रुपये क अछि। एहि ठाम प्रतिवर्ष 12 हजार अश्वशक्ति (हॉर्स पावर) क आठ सौ विद्युत रेल इंजन क निर्माण होएत। चार सौ देश क जरूरत पूरा ककरत जखनकि शेष विदेश मे बेचल जाएत।

कारखाना लेल 965.42 एकड़ भूमि क दरकार अछि। भूमि-अधिग्रहण मे मुआवजा पर किसान सब आपत्ति दर्ज करा रखने छथि। हुनकर मांग अछि जे मौजूदा बाजार मूल्य स चौगुना मुआवजा देल जाए। जिला भू-अर्जन शाखा स प्राप्त जानकारी क अनुसार भूमि क अधिग्रहण रेलवे भू-अर्जन अधिनियम-2008 क तहत भेल अछि। एहि लेल ओहि अधिनियम क तहत निर्धारित मुआवजा सेहो देय होएत। बहरहाल, अधिग्रहित तीन सौ एकड़ भूमि क मालिक कए सूचना जारी क कहल गेल अछि जे अगर ओ स्वेच्छा स जमीन खाली क समर्पित करैत छथि त 60 फीसद प्रोत्साहन राशि अलग स देय होएत। जिलाधिकारी अबरार अहमद कमर क कहब अछि जे भूमि अधिग्रहण क कार्रवाई चलि रहल अछि। किसान आ रेलवे एक-दोसर क शर्त कए नहि मानता तखन नियमानुसार आरबिट्रेटर नियुक्त कैल जाएत आ ओकर फैसला सब कए मान्य होएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page