आब होएत नियोजित शिक्षक क स्थानांतरण

पटना । बिहार सरकार माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक विद्यालय मे नियोजित शिक्षक क स्थानांतरण करबाक फैसला लेलक अछि। शिक्षा मंत्री पीके शाही क निर्देश क आलोक मे तीन वर्ष क सेवावधि पूरा क चुकल नियोजित शिक्षक क हुनकर आवेदन पर स्थानांतरण लेल शीघ्र नियमानुसार कार्रवाई होएत।
सरकार क एहि निर्देश स छह हजार शिक्षक कए हुनकर इच्छानुसार स्कूल मे (संबंधित विषय क शिक्षक क रिक्त पद पर) स्थानांतरण क मार्ग प्रशस्त होएत। नियोजित शिक्षक कए सेवा शर्त नियमावली क तहत सेवावधि मे हुनका (शिक्षक कए) दू बेर स्थानांतरित कैल जा सकैत अछि। पहिल बेर शिक्षक क स्थानांतरण तखन होएत जखन ओ, तीन वर्ष क सेवा पूरा क लेतथि।
पंचायत निकाय आ नगर निकाय द्वारा नियोजित शिक्षक कए संबंधित पंचायत, प्रखंड आ निकाय क्षेत्र क स्कूल मे संबंधित विषय क शिक्षक क रिक्त पद पर स्थानांतरण लेल आवेदन देबाक अछि। फिलहाल पूरा प्रदेश मे उच्च आ उच्च माध्यमिक स्कूल क छह हजार नियोजित शिक्षक क स्थानांतरण संबंधी आवेदन विचाराधीन अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments