आब सब विद्यार्थी कए भेटत साइकिल

नीतीश बनलाह ब्लागर

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आब अपन मनक गप ब्लाग पर लिखताह। ओ ब्लाग पर लोकक पक्ष [टिप्पणी] पढ़ताह। जवाब सेहो देताह। मुख्यमंत्री बनि गेलाह अछि ब्लागर। http://www.nitishspeaks.blogspot.com अछि हुनकर आईडी। अपन ब्लाग पर पहिल आलेख मुख्यमंत्री अपन मुख्यमंत्री बालिका साइकिल योजना क बारे मे पोस्ट केलथि अछि।

नव-नव ब्लागर बनल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन ब्लाग मे लिखैत छथि, विभाग क अधिकारी थोक मे साइकिल कीनबाक पक्ष मे छलाह। मुदा हम साइकिल कीनबा लेल सरकारी आइडिया कए खारिज करि देलहुं। हमर इ सोच अछि जे एहि प्रकारक सरकारी खरीद स भ्रष्टाचार बढि़ सकैत अछि है। से, हम सीधा-सीधा साइकिल क लेल चेक देबाक फैसला केलहुं। हमरा एहि योजना क सफलता स काफी संतोष अछि। आब त सरकार स्कूल जनिहार लड़का कए सेहो साइकिल देबाक व्यवस्था करि देलक अछि। एहि योजना क खासियत इ अछि जे समाज क सब वर्ग क बच्चा कए एकर लाभ भेट रहल अछि। जाति आ आर्थिक आधार एहि मे शामिल नहि अछि। ओ लिखैत छथि जे पिछला चारि साल मे हुनकर सरकार कल्याण क कईटा योजना शुरू केलक मुदा बालिका साइकिल योजना हुनकर मनक काफी करीब अछि। इ योजना बिहार क तस्वीर बदलि देलक अछि। लाख स बेसी संख्या मे लड़की हर सबदिन साइकिल स स्कूल पहुंच रहल अछि। एहि योजना क आरंभ हेबा स पहिने यानी तीन वर्ष पूर्व साइकिल स स्कूल जाइत लड़की मुश्किल स देखाइत छल, पटना तक मे सेहो दिखाई नहि दैत छल। मुदा आब अहां इ देख सकैत छी जे कोनो स्कूल जाइवाली लड़की मे कोन तरह क आत्मविश्वास अछि। पिछल तीन वित्तीय वर्ष क दौरान सरकार 174.36 करोड़ एहि योजना पर खर्च केलक अछि। स्कूल जाइवाली 8.71 लाख लड़की कए साइकिल क लेल दू-दू हजार टका देल गेल अछि। मुख्यमंत्री लिखैत छथि- इ मात्र आंकड़ा भरि नहि अछि। वास्तव मे इ एकठा छोट सन प्रयास अछि जे साबित करि देखेलक अछि जे कोना पैघ परिवर्तन भ सकैत अछि। बिहार मे साइकिल सामाजिक बदलाव क एकटा उपकरण बनि गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

3 टिप्पणी

  1. I heartly appreciate the girls empowerment plan of CM. Its a great examples to others to follow.
    Jai Mithila

Comments are closed.