आब विश्वास यात्रा पर निकलताह नीतीश

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आब विश्वास यात्रा पर निकलताह। यात्रा क तारीख क घोषणा नहि कैल गेल अछि, मुदा प्रदेश अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी क अनुसार इ कार्यक्रम मई में शुरू होएत। दोसर दिस,पार्टी कार्य समिति मे रथयात्रा निकालबा सेहो सहमति बनल। महिला इकाई दिस स स्वावलंबन रथ, अल्पसंख्यक क टीम अमन रथ, किसान संगठन दिस स किसान रथ, अत्यंत पिछड़ा प्रकोष्ठ दिस स कर्पूरी रथ आ महादलित दिस स सेहो रथयात्रा निकालल जाएत। ओना एखन एकरा लेल तारीख क घोषणा नहि कैल गेल अछि, मुदा पार्टी क दिस स एकर तैयारी तुरंत शुरू करबाक संकेत देल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments