आब राति मे करू गंगा क सैर

पटना । चान आसमान पर नीचा कलकल बहैत गंगा। जी हां, पटना मे आब अहां राति मे सेहो गंगा यात्रा क आनंद ल सकैत छी। इ सेवा शुरू भ गेल अछि। ओना त मई माह तक लेल आरक्षण भ गेल अछि मुदा पहिल दिन 30 गोटे बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम क फ्लोटिंग रेस्तरां स गंगा क सैर केलथि आ शाकाहारी भोजन केलथि। एहि मास पांच अप्रैल स आठ अप्रैल तक लोक चांदनी राति मे गंगा क सैर करि सकत। पर्यटन विभाग चार स छह मई तक लेल सेहो एखने स बुकिंग शुरू करि देलक अछि। चांदनी राति मे गंगा क सैर क संग विभिन्न प्रकार क व्यंजन क आनंद उठेबा लेल निगम प्रति व्‍यक्ति स केवल 450 टका ल रहल अछि। पैकेज क लाभ गांधीघाट स खुलि रहल फ्लोटिंग रेस्तरां स उपलब्ध अछि। राति आठ बजे स दस बजे तक फ्लोटिंग रेस्तरां गंगा क सैर करा रहल अछि। पूरा गर्मी आब प्रत्येक मास पूर्णिमा क आसपास चारि दिन तक चांदनी राति मे गंगा क यात्रा क आनंद भेट सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments