आब यूपी मे सेहो लुटा रहल छथि बिहारी मजदूर

पटना । बिहारी मजदूर कए लूटबा मे आब उत्तरप्रदेश सेहो पाछु नहि अछि। नकली टिकट बताकए बिहारी मजदूर कए मुगलसराय स्टेशन क आधा दर्जन टीटीई आ आरपीएफ क जवान दिनदहाड़े लूटि लेलथि। एक दर्जन बिहारी मजदूर क टिकट नकली करार द जबरन पाकेट स टका निकाली लेलथि। बिहारी मजदूर एर्नाकुलम एक्सप्रेस स पटना आबि रहल छलथि। बिहारी मजदूर मुगलसराय स्टेशन पर प्राथमिकी दर्ज करेबाक कोशिश केलथि मुदा हुनका ओहि ठाम पिटाई करि भगा देल गेल। संगहि जबरन एर्नाकुलम एक्सप्रेस स पटना क लेल विदा करि देल गेल। मजदूर सब पटना जंक्शन पहुंचला पर जीआरपी मे प्राथमिकी दर्ज करौलथि अछि। प्राथमिकी मे कहल गेल अछि जे बिहारी मजदूर सब चेन्नई क एकटा कपड़ा फैक्ट्री मे काज करैत छथि। घर लौटबाक दौरान मुगलसराय जंक्शन पर टीटी आ आरपीएफ क जवान जबरन हुनकर कुर्ता क पाकेट मे राखल टका निकाली लेलक। एहि प्रकार स मजदूर क टका कए टीटीई लूटि लेलक। मुजफ्फरपुर जिला क सरैया थाना क्षेत्र क बसौठा गाम क लालबाबू सहनी कहलथि जे टीटीई आ आरपीएफ क जवान यूनिफार्म मे छल। ओ सब मजदूर कए पिटाई सेहो केलक। बिहारी मजदूर मुजफफरपुर, अररिया आ पटना जिला क रहनिहार दथि। प्राथमिकीक आधार पर जखन पटना जीआरपी जखन हुनकर टिकट जांच केलक त सबटा टिकट सही पाउल गेल। मामला एक बेर फेर जीआरपी मुगलसराय क हवाले करि देल गेल अछि, जतय कार्रवाई केहन होएत एकर अंदाजा एहि बयान स निकली सकैत अछि जे बिहारी मजदूर कए साथ जो होता है सही होता हैै। इ कहब अछि थाना प्रभारीक जे एहि मामलाक जांच करताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments