आब बिहार मे सेहो होएत एमटेक क पढ़ाई

पटना।एमटेक क पढ़ाई क क्रेज बढैत देख विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभाग बिहार क दूटा सरकारी इंजीनियरिंग कालेज मे नव सत्र स एमटेक क पढ़ाई आरंभ करबाक फैसला केलक अछि। भागलपुर आ मुजफ्फरपुर स्थित सरकारी इंजीनियरिंग कालेज मे एमटेक क पढ़ाई आरंभ करबा लेल आधारभूत संरचना विकसित कैल जा रहल अछि। आधिकारिक जानकारी क अनुसार विश्व बैंक बिहार स्थित सरकारी इंजीनियरिंग कालेज सबहक शैक्षिक स्थिति दुरुस्त करबा लेल चारि वर्ष मे तीस करोड़ टका देबा पर सहमति देलक अछि। विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभाग इ तय केलक अछि जे विश्व बैंक स भेट रहल इ राशि क उपयोग भागलपुर आ मुजफ्फरपुर स्थित इंजीनियरिंग कालेज मे एमटेक क पढ़ाई आरंभ करबा लेल होएत। किछु भवन आ क्लास स जुडल अन्य व्यवस्था कए शुरू करबा लेल राशि खर्च करबाक योजना अछि। देश क अन्य प्रदेश मे एमटेक क पढ़ाई करा रहल संस्थान सब कए माडल क रूप मे ल कए एमटेक क पढ़ाई आरंभ करबाक योजना अछि। विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभाग क आला अधिकारी कहला जे एमटेक क पढ़ाई लेल एहि दूनू इंजीनियरिंग कालेज मे शिक्षक क कमी नहि अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.