आब प्लेटफॉर्म पर स्त्रीगण उठउतथि बोझ

रेल मंत्रालय नियुक्त करत महिला कुली, एकटा आओर क्षेत्र स पुरुषक वर्चस्व भेल खत्म

पटना। महिला कए आब देह क दमखम वाला ओ क्षेत्र मे सेहो अपन मौजूदगी देखेबाक मौका भेटत, जतए अखन धरि केवल मर्द क चलैत छल। रेल मंत्री ममता बनर्जी महिला यात्री क लेल देश क तकरीबन हर प्रमुख स्टेशन पर आब महिला कुली कए नियुक्ति क निर्देश जारी करि देलाह। एहि संबंध मे रेलवे बोर्ड क तरफ स बीके शर्मा (यातायात निदेशक कामर्शियल) द्वारा सब टा रेल मंडल कए सर्कुलर (संख्या 2009/टीजी-2/1010/59) सेहो जारी करि देल गेल अछि। जारी सर्कुलर क मुताबिक पहिने चरण मे ओ महिला कुलि कए नियुक्ति क निर्देश देल गेल अछि, जिनकर पति आ पिता पहिने स लाइसेंसधारी कुली अछि आ बेसी उम्र क कारण बोझ ढोबै मे सक्षम नहि अछि। एहन कुली अगर अपन लाइसेंस कए अपन कनिया आ बेटी क नाम स स्थानांतरित करब चाहैत छथि, त रेलवे हुनका सहयोग करत। आब दत्तक पुत्री कए सेहो लाइसेंस हस्तानांतरण क सुविधा देल गेल अछि।
मालूम हुए जे पहिने लाइसेंसधारी कुली बुढ़ापा क बाद अपन लाइसेंस केवल अपन बेटा क नाम स हस्तानांतरित करि सकैत छल। रेलमंत्री क निर्देश क बाद आब जे लाइसेंसधारी कुली बुढ़ापा क कारण अपन बेटा क नाम स लाइसेंस हस्तानांतरित नहि करब चाहैत अछि, हुनकर लेल कनिया आ बेटी क नाम क सेहो विकल्प शामिल करि लेल गेल अछि। अगर सब किछु ठीक-ठाक रहल त जल्दी सबटा प्रमुख स्टेशन पर महिला कुली सेहो नजर आब लागत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments