आब पैघ अधिकारी गाम जा देखता योजनाक हाल

पटना । सचिवालय क बंद कोठली स बाहर निकलि आब पैघ अधिकारी योजनाक जमीनी हालत देखबा लेल गाम जेताह। कहल जाइत अछि जे सचिवालय मे बैसकए नीति बनि जाइत अछि आ जमीनी स्तर पर एकर क्रियान्वयन मे काफी परेशानी होइत अछि। एकरा देखैत मुख्य सचिव प्रधान सचिव-सचिव स्तर क अधिकारी आब विकास योजना आ जन कल्याणकारी कार्यक्रम क समीक्षा करबा लेल गाम दिस विदा भ रहल छथि। मंत्रिमंडल सचिवालय द्वारा जारी आदेश क अनुसार अफजल अमानुल्लाह कए पटना, शशिशेखर शर्मा कए नालंदा, आमिर सुबहानी कए भोजपुर, शुभकीर्ति मजुमदार कए रोहतास, व्यास जी कए बक्सर, विजय प्रकाश कए कैमूर, अमिताभ वर्मा कए गया, फूल सिंह कए औरंगाबाद, रविकांत कए नवादा, रश्मि वर्मा कए जहानाबाद, अतीश चंद्र कए भगलपुर, शिशिर सिन्हा कए बांका, विवेक कुमार सिंह कए मुंगेर, दीपक प्रसाद कए बेगूसराय, आरके खंडेलवाल कए जमुई, राजेश गुप्ता कए खगडिय़ा, केके पाठक कए लखीसराय, अशोक कुमार चौहान कए शेखपुरा, केपी रामय्या कए पूर्णिया, सुधीर कुमार कए कटिहार, सीके अनिल कए अररिया, ब्रजेश मेहरोत्रा कए किशनगंज, अजय वी नायक कए सहरसा, परमार रवि मनुभाई कए मधेपुरा, राजेश भूषण कए सुपौल, सी अशोक बर्धन कए दरभंगा, जयराम लाल मीणा कए मधुबनी, रामेश्वर सिंह कए समस्तीपुर, दीपक कुमार कए छपरा, अनिल कुमार कए सिवान, रवीन्द्र पंवार कए गोपालगंज, सीके मिश्र कए मुजफ्फरपुर, त्रिपुरारी शरण कए मोतिहारी, अंजनी कुमार सिंह कए बेतिया, हेमचंद सिरोही कए सीतामढ़ी आ शिवहर, गिरीश शंकर कए वैशाली आओर उदय सिंह कुमावत कए अरवल क प्रभारी बनाउल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments