नवरूणा कए तकबाक जिम्मा आब सीआइडी लग

पटना । मुजफ्फरपुर स लापता 12 साल क नवरुणा मामला क जांच आखिरकार सीआईडी कए सौंपबाक फैसला कैल गेल। नवरूणा पिछला साल 18 सितंबर स गायब अछि आ मुजफ्फरपुर हवा मे तीर छोडबाक अलावा आइ धरि किछु नहि क सकल। तिरहुत प्रक्षेत्र क आइजी स ल कए स्थानीय दारोगा तक एहि मामला मे अपन योग्यकता क सबूत द चुकला अछि। ओना कहबा लेल एहि मामला मे तीन गोटे गिरफ्तार भ चुकला अछि, मुदा 119 दिन बाद पुलिस इ बतेबा तक लेल तैयार नहि अछि जे नवरूणा क अपहरण भेल अछि या ओकरा कियो भगा कए ल गेल अछि। नवरूणा क घर लग भेटल 15 सालक युवतीक कंकाल पुलिस कए आओर बेपर्द क देलक अछि। पुलिस एखन धरि इ नहि पता लगा सकल जे ओ कंकाल केकर छी। इ कंकाल नवरूणा क गुत्थी कए आओर उलझा देलक अछि।
पिछला सप्ताुह एकटा याचिका पर सुनवाई करैत सुप्रीम कोर्ट बिहार सरकार संगहि केंद सरकार स पूछने छल जे नवरूणा क पता लगेबा लेल की कैल जा रहल अछि? ज्ञात हुए नवरूणा क पता लगेबा लेल बिहार स दिल्‍ली तक युवा नवरूणा क परिजनक संग राष्ट्रपति तक स गुहार लगा चुकल अछि।
जानकारी क अनुसार नवरूणा क परिवार मूल रूप स पश्चिम बंगाल क रहनिहार अछि आ मुजफ्फरपुर शहर क जवाहरलाल रोड पर एहि परिवारक कई करोड क जमीन अछि। जानकारक कहब अछि जे जमीन लेल सेहो नवरूणा कए लापता कैल जा सकैत अछि। पुलिस शहर क कईटा प्रॉपर्टी कारोबारी स सेहो पूछताछ क चुकल अछि मुदा कोनो सफलता हाथ नहि लागल अछि।
जानकारी क अनुसार नवरूणा अपन घर स 18 सितंबर क राति स लापता छथि। एहि मामला मे मुजफ्फरपुर पुलिस शुरू स संदेह क घेरा मे अछि। मामला मे एतबा लापरवाही रहल जे 18 सितंबर स लापता क मामला दर्ज भेलाक बावजूद पुलिस ओकर घऱ क आसपास तफ्तीश तक नहि केलक। पुलिस क शुरुआती रवैया स एना बुझाइत अछि जेना थाना कए ऊपर स एहि मामला मे शिथिलता बरतबा लेल निर्देश भेटल हुए। किया त कार्रवाई दारोगा त छोडू आइजी स्तबर तक स करबाक प्रयास नहि भेल।
भारी जन दबाव क बाद पुलिस 26 नवंबर कए नवरूणा क घर लग एकटा नाला स कंकाल बरामद केलक। आशंका जताउल जा रहल अछि जे 15 सालक युवती क इ कंकाल अछि आ भ सकैत अछि जे इ कंकाल नवरूणा क हुए, मुदा पुलिस एकर पता एखन धरि नहि लगा सकल अछि। मधुबनी कांड क बाद आम लोक सेहो एहि कंकाल क संबंध मे पूर्ण जानकारी भेटबाक बाट ताकि रहल अछि, मुदा पुलिस इ बतेबा मे असमर्थ अछि जे आखिर कंकाल कौन युवती छी। पुलिस एकर जांच लेल नवरूणाक परिवार क डीएनए टेस्ट करेबाक प्रयास मे लागल अछि, मुदा परिजन एकरा लेल तैयार नहि भ रहल छथि। नवरूणा क पिता क कहब अछि जे इ कंकाल हुनकर बेटी क नहि अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments