आब त लाज करू राज ठाकरे!

raj700 मराठी देलक आवेदन
उज्जवल कुमार
पटना । बिहारी प्रतिभा स भले राज ठाकरे कए डर लगैत अछि। मुदा बिहारी त बिहारी छथि। अपन पाहुनक सत्कार मे कोनो कमी नहि छोड़ब हुनक पहचान अछि आ राज ठाकरे सन कहियो बदसलूकी करबाक त सोचि नहि सकैत छथि। इ गुमान, इ गर्व ओहिना नहि अछि। एकर प्रमाण पिछला दू दिन स पटनाक गांधी मैदान मे देखल गेल। मराठी क हाथ स पिटल अमर नाथ एकटा मराठी आवेदक कए आवेदन फार्म जमा करबा मे मदद करि रहल छलाह। एहि मेला मे नौकरी लेबा लेल एक-दूटा नहि नहि, लगभग 700 मराठी बेरोजगार युवक पटना आइल छथि।
बिहारी देखेलक गांधीगिरी
बिहारी युवक गांधीगिरी क असली मिसाल पेश केलक। खुद नौकरी क लेल खाक छानै वाला बिहारी अभ्यर्थी देखा देलक जे वाकई बिहारी उदार चित्तवाला होइत अछि। एहि मेला मे आवेदन क लेल डोमेसाइल अनिवार्य नहि छल। एकरे परिणाम रहल जे महाराष्ट्र, मध्यप्रदेश, उत्तर प्रदेश, झारखंड समेत अन्य दोसर राज्यक लोक पैघ संख्या मे एहि मेला मे अपना लेल नौकरी मांगलक। एकरा ल कए कोनो विरोध नहि भेल। बेरोजगार युवक या अधिकारी कोई एकरा पर आपत्ति नहि केलथि। सबहक कहब छल जे जेकरा लग प्रतिभा अछि ओकरा मौका भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments