आब टिसन पर मैथिली मे उद्घोषणा


मधुबनी। आखिरकार मिथिला विकास परिषद, कोलकता क प्रयास स मधुबनी रेलवे स्टेशन पर मैथिली भाषा मे उद्घोषणा शुरू भ गेल। 31 जुलाई कए रेलवे स्टेशन पर यात्री क सुविधा क मांग सहित मैथिली भाषा मे उद्घोषणा क मांग कए लकए रेलवे अधीक्षक यूएनराय क घेराव परिषद क सदस्य सब केने छलाह। जेकर बाद समस्तीपुर रेल मंडल क मुख्य सहायक वाणिज्य व्यवस्थापक एएस जायसवाल स फोन पर आंदोलनकारी क गप भेल आ एक तारीख स मैथिली मे उद्घोषणा कए स्वीकृति भेटला पर स्टेशन अधीक्षक श्रीराम मेमो सं. एस/एमडीएच/2010 द्वारा मैथिली मे उद्घोषणा प्रारंभ करबाक निर्देश देलथि अछि। आब उम्मीद कैल जा रहल अछि जे जल्द मिथिला मे अवस्थित आन टिसन पर सेहो मैथिली मे उद्घोषणा शुरू भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. हम १० .१.२००९ क मधुबनी स्टेशन पर मैथिलि में उद्घोषना लेल एक एहेन सहायक स्टेशन मास्टर्स बात केने छालान्हू जे स्वयम मैथिल छलथि मुदा ओ हमर बात नहीं मनलान्ही नाहीये सुझाव पुस्तिका देलथि आ दोसर दिन प्रेस कांफेरेंस में एही बातके दरभंगामे रखल त एक पत्रकार हमर बात सुन्लाथ आ ओ एकर बाद एक पत्रकार सम्मेलनमे रैल्वाय्क पदाधिकरिके पुछाल्खिंह जाकर परिणामस्वरूप दरभंगा स्टेशन में तिरहुता में दरभंगाक नाम लिखायल भानही एक कोनमे मुदा ई ऊपर सबस लिखल जाय आ पूरा मिथिला में एहेन हो आ मधुबनी जका उद्घोषणा हो एही लेल संघर्षक आवश्यकता छैक आ एही लेल मिथिलाक लोक के आगा अबे पर्तैन्ही.
    जे सब ई मधुबनीमे करौलाह हुनका हमर बधाई
    डॉ. धनाकर ठाकुर

  2. १६ दिसंबर २०१० क दरभंगा स्टेशन पर मैथिलीमे उद्घोषणा नहीं सुनी हम स्टेशन प्रबंधाक्कें अंतर्राष्ट्रीय मिथिले परिषद् दिस स आवेदन देल जे मैथिली में उदघोशना हो आ स्तातिओंक नाम क मिथिलाक्षरमे सबस ऊपर आ तकर बाद हिंदी आ फेर अंगरेजी में लिखल जय आ ओहो सामान साइज़ में
    ज्ञातव्य जे ११ .१ .२००९ क दरभंगा में एक पत्रकार सम्मलेन में हम ई बात उठुने छालान्हू आ तकर बाद मिथिलाक्षर टी आयल मुदा नीचा में छोट साइज़ में
    एही सब लेल स्थानीय मैथिली संगठनके आगाँ आबक चाही आ सत्य टी इ जे जब्त मिथिला राज्य नहीं बनत ई सब एहिना छोट मोट काज पर लागय परत
    डॉ. धनाकर ठाकुर

Comments are closed.