आब जिला कए सीधा नहि भेटत टका

पटना। देशक सर्वाधिक सफल ग्रामीण विकास मंत्री रघुवंश प्रसाद सिंह क महात्मा गांधी राष्ट्रीय रोजगार कानून (मनरेगा) क तहत क्रियांवित भ रहल योजना क संचालन मे राज्य सरकार फेरबदल करै जा रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे आयोजित समीक्षा बैठक मे एहि आशय क आदेश देल गेल अछि। सरकार आब मनरेगा क क्रियान्वयन क लेल एकटा सोसायटी बनाउत आओर मनरेगा आयुक्त क पद सृजित करत। मनरेगा क केंद्रीय अनुदान एहि सोसायटी क माध्यम स जिला कए बांटल जाएत। वर्तमान मे टका सीधा जिला कए आवंटित होइत अछि आ ग्रामीण विकास विभाग क प्रधान सचिव एहि योजना क निगरानी करैत छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments