आब जब्‍त होएत दलाल क संपत्ति

पटना। भ्रष्ट लोकसेवक क संपत्ति जब्ती क बाद बिहार मे सरकारी योजना में सक्रिय दलाल पर सेहो कार्रवाई करबाक तैयारी भ गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन सेवा यात्रा क अंतिम दिन पूर्णिया मे एलान केलथि अछि जे लोकसेवक जेकां दलाल क संपत्ति सेहो जब्त कैल जाएत। भ्रष्‍टाचा पर कागू करबा लेल बिहार सरकारक इ एकटा आओर महत्‍वपूर्ण कार्रवाई कहल जा सकैत अछि। बिहार सरकार अगर एकरा लागू करि दैत अछि त बिहार एहन कार्रवाई करनिहार देश क पहिल राज्‍य होएत। मुख्यमंत्री एहि कार्रवाई लेल कानून मे कोनो प्रकारक बदलाव करबा लेल तैयार छथि। ओना हुनकर कहब अछि जे सब जिला में स्पेशल टास्क फोर्स गठित कैल जा रहल अछि जे बैंक स लकए सरकारी कार्यालय तक सक्रिय दलाल पर कार्रवाई करत। ओ कहला जे सेवा यात्राक दौरान हुनका इ देखबा आ सुनबा लेल भेटल अछि जे लाभार्थी क खाता में राशि अछि, मुदा बैंक कर्मी राशि क भुगतान नहि करि रहल अछि। मुख्‍यमंत्री कहला जे एहि प्रकारक महान कर्मचारी लेल रास्ता निकालि लेल गेल अछि। कानून क कमी नहि अछि, एकरा लागू करबा में इच्छाशक्ति क जरूरत अछि। गरीब क हक पर नजर रखनिहार बैंक कर्मी पर आपराधिक धारा लगा कए कार्रवाई कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments