आब केवल महादलित लेल काज करताह विकास मित्र

पटना ।  विकास मित्र आब केवल महादलित परिवार लेल चलि रहल विकास योजना सबहक क्रियान्वयन मे लगाउल जेताह। विकास मित्र क दायित्व चेंज एजेंट क रूप मे रहत। कोनो जिला क जिलाधिकारी बा अन्य पदाधिकारी आब विकास मित्र स आन काज नहि ल सकैत छथि। इ फैसला मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल महादलित क विकास स संबंधित योजना क उच्चस्तरीय समीक्षा बैसार मे लेल गेल। बैसार क बाद सचिव अनुसूचित जाति/ जनजाति कल्याण सह मुख्य कायर्पालक पदाधिकारी बिहार महादलित विकास मिशन एसएम राजू कहला ले बैसार मे इ निर्णय सेहो लेल गेल जे सब महादलित टोला मे फलदार गाछ लगाउल जाएत। दू सौ फलदार गाछ लगेबा पर एकटा मानक दिवस क रूप मे मानल जाएत, एहि मे चारि टा महादलित परिवार संलग्न रहत। महादलित परिवार तीन साल तक एकर देखरेख करत। तीन साल क बाद एकटा महादलित परिवार कए बीसटा फलदार गाछ पट्टा पर द देल जाएत, पट्टा क अनुसार ओ फल खायत। अगर शिशम, सखुआ आ अन्य लकड़ी क गाछ अछि त बीस साल बाद गाछ क सूखायल लकड़ी पर   महादलित परिवार क अधिकार होएत। एकर अलावा मुख्यमंत्री बैसार मे निर्देश देलथि जे प्रत्येक महादलित परिवार कए जमीन देबाक लक्ष्य हर हाल मे पूरा कैल जाए आ जिनका जमीन आवंटित भ चुकल अछि एहन परिवार लेल मकान (इन्दिरा आवास) बनाउल जाए। श्री राजू कहला जे दशरथ मॉझी कौशल विकास योजना क अन्तर्गत 40 हजार स बेसी लाभान्वित कए आच्छादित कैल जेबाक अछि। संगहि महादलित टोला मे तीन हजार सामुदायिक भवन क निर्माण हेबाक अछि। ओ कहला जे 62.12 करोड़ क लागत पर मुख्यमंत्री महादलित रेडियो योजना क अन्तर्गत एहि साल 15 लाख 20 हजार लाभान्वित कए रेडियो देल जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments