आनलाइन करू आवेदन

पटना। बिहार हाईटेक भ रहल अछि। एक दिसम्बर स जाति, आय आ आवासीय प्रमाण पत्र लेल आनलाइन आवेदन लेब शुरू भ गेल। प्रधान सचिव सामान्य प्रशासन दीपक कुमार कहला जे आनलाइन आवेदन क तहत लोक घर बैसल इंटरनेट क प्रयोग करि अपन आवेदन नि:शुल्क जमा करि सकैत छथि। नियम समय क बाद निर्धारित कार्यालय में जाकए अपन पहचान पत्र देखा पावती पर अपन हस्ताक्षर करि आवेदित प्रमाण पत्र पाबि सकैत छथि। ओ कहला जे एहि स काउंटर पर भीड़ कम होएत। ओ कहला जे विभिन्न प्रकार क प्रमाण पत्र देबा क अवधि क मियाद सेहो कम भ रहल अछि। सरकार चाहैत अछि जे लोक कए पोस्टमार्टम रिपोर्ट सेहो आनलाइन भेट जाए। बहुत जल्‍द ड्राइविंग लाइसेंस आ पासपोर्ट आनलाइन देबाक व्यवस्था भ रहल अछि। ज्ञात हुए जे लोक सूचना क अधिकार कानून 15 अगस्त स लागू करि देल गेल अछि। एखन धरि विभिन्न सेवा लेल 55-56 लाख आवेदन प्राप्त भ चुकल अछि ओहि मे स 40 लाख आवेदन केवल जाति, आय आ आवासीय प्रमाण पत्र लेल अछि। आब आइ स इ आवेदन आनलाइन जमा भ सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments