आधा होएत नालंदा यूनिवर्सिटी क फीस : सेन

पटना। नालन्दा विश्वविद्यालय क चांसलर प्रो डॉ. अमर्त्‍य सेन कहला अछि जे यूनिवर्सिटी क ट्यूशन फीस मे 50 प्रतिशत क कमी कैल जाएत। ओ मानलाह जे ट्यूशन फीस बेसी अछि आ छात्र क हित मे ट्यूशन फीस मे 50 प्रतिशत क कमी कैल जेबाक चाही। डॉ. सेन बुधदिन नालंदा जिला क राजगीर मे पत्रकार स गपशप क रहल छलाह। ओ कहला- हमरा सेहो काफी चिंता छल जे एहि विश्वविद्यालय मे ओहन लोग सेहो पढ़ाई क हिस्सा बनें जे कोनो प्रकार स इच्छा आ मेधा क बल पर नामांकन त करा लेलक मुदा आर्थिक लाचारी क कारण पढाई स वंचित रहि गेल। ताहि लेल हम फैसला केलहुं अछि जे यूनिवर्सिटी क ट्यूशन फीस मे 50 प्रतिशत क कमी क दी। ओ कहला जे प्राचीन नालंदा विश्वविद्यालय क नष्ट भला पर भारत क सोच छल जे हम एकरा कोना पुनर्जीवित क सकैत छी। सब हक प्रयास स प्राचीन इतिहास कए पुनर्जीवित क अंतर्राष्ट्रीय स्तर पर पठन पाठन आरंभ कैल जा चुकल अछि। एकटा सपना कए हम हकीकत में बदलि चुकल छी।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsaइ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

 

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments