आखिर भेल कुलपति सबहक नियुक्ति, आठ मे स छह टा पुरान नाम

पटना : उच्च शिक्षा मे दखल क मुद्दा पर राज्य सरकार संग टकराव क सामना करि रहल बिहार क राज्यपाल आ राज्य क विश्वविद्यालय क कुलाधिपति देवानंद कुंवर आखिरकार आइ नव सिरा स आठटा कुलपति क नियुक्त क देलथि,जाहि मे स अधिकतर नाम ओहने अछि जेकर चयन कए पटना उच्च न्यायालय खारिज क देने छल।
कुलाधिपति देवानंद कुंवर क कार्यालय स जारी अधिसूचना क अनुसार पटना विश्वविद्यालय मे शंभूनाथ सिंह, मगध विश्वविद्यालय मे अरुण कुमार, बिहार विश्वविद्यालय (भीम राव अंबेडकर) मे कुमारेश प्रसाद सिंह, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय-दरभंगा मे अरविंद पांडेय कए फेर स कुलपति नियुक्त कैल गेल अछि।
जखन कि मधेपुरा स्थित बीएन मंडल विश्वविद्यालय मे रामविनोद सिन्हा, आरा स्थित कुंवर सिंह विश्वविद्यालय मे शिवशंकर सिंह, पटना स्थित मजहरुल हक अरबी फारसी विद्यालय मे मोहम्मद शम्सुज्जोहा आ छपरा स्थित जयप्रकाश विश्वविद्यालय मे विमल कुमार कए कुलपति नियुक्त कैल गेल अछि। आठ कुलपति मे स छहटा नाम एहन अछि जिनकर नियुक्ति पटना उच्च न्यायालय सात दिसंबर कए रद्द क देने छल। न्यायालय अपन फैसला मे कहने छल जे बिहार विश्वविद्यालय आ पटना विश्वविद्यालय अधिनियम क तहत कुलाधिपति कार्यालय कुलपति क नियुक्ति स पहिने राज्य सरकार स परामर्श नहि केने छल। एहि लेल इ नियुक्ति अवैध अछि। पिछला साल सात दिसंबर कए न्यायालय चारिटा विश्वविद्यालय क प्रति कुलपति क नियुक्ति सेहो रद्द क देने छल । ललित नारायण मिश्रा विश्वविद्यालय, दरभंगा क प्रति कुलपति कुमारेश प्रसाद सिंह क नियुक्ति कए अवैध बताउल गेल छल। कुमारेश प्रसाद सिंह कए बिहार विश्वविद्यालय मुजफ्फरपुर क कुलपति नियुक्त कैल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments