आखिर भारत आयल फसीह, सच साबित भेल इ’समाद क दावा

24 मई कए सबस पहिने इ’समाद इ दावा केने छल जे दरभंगा क युवक सब कए अंतकी बनेनिहार फसीह कए भारतीय दूतावास क आग्रह पर अरब पुलिस गिरफतार क लेलक अछि। केंद्र सरकार इ’समाद क एहि दावा कए खारिज करबाक बहुत प्रयास केलक मुदा इंडियन मुजाहिद्दीन क आतंकी फसीह मोहम्मद कए सोमदिन सऊदी अरब स भारत आनल गेल आ एकर संगहि इ’समाद सही साबित भेल। – समदिया

नई दिल्ली | बेंगलुरू आ दिल्ली मे बम विस्फोट क षड्यंत्र रचनिहार संदिग्ध आतंकवादी आ इंडियन मुजाहिद्दीन क सदस्य फसीह महमूद कए सोम दिन दिल्‍ली पुलिस विधिवत गिरफ्तार क लेलक । एहि स पूर्व सऊदी अरब पुलिस फसीह कए गिरफ्तार क भारत कए प्रत्यर्पित करबा लेल दिल्‍ली पठेलक। जहिना ओ विमान स उतरल दिल्ली पुलिस ओकरा हवाई अड्डा स गिरफ्तार क लेलक। फसीह (35) पर वर्ष 2010 मे बेंगलुरू क चिन्नास्वामी स्टेडियम आ दिल्ली मे एकटा विस्फोट क षड्यंत्र रचबाक आरोप अछि। दिल्ली आ कर्नाटक पुलिस कए ओकर तलाश छल।
एकटा वरिष्ठ पुलिस अधिकारी कहला जे, “सऊदी अरब क पुलिस ओकरा मई मे हिरासत मे लेने छल। एकर बाद स दिल्ली क जांच एजेंसी ओकरा भारत प्रत्यर्पित करेबा लेल लगातार सऊदी प्रशासन क सम्पर्क मे छल। महमूद कए पाकिस्‍तान अपन नागरिक साबित करबा मे लागल छल। ज्ञात हुए जे सऊदी अरब मे इंजीनियर क तौर पर कार्यरत फसीह कए सऊदी प्रशासन संदिग्ध आतंकवादी सम्पर्क लेल कथित तौर पर 13 मई कए अल जुबल स गिरफ्तार केने छल। ओ बिहार क दरभंगा जिला क बारह सायला गाम क रहनिहार छी।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments