आखिर बिहार पुलिस कए भेटल उड़नखटोला

पटना। काफी अगर-मगर क बाद आखिरकार बिहार पुलिस कए 16 सीट वाला हेलीकाप्टर भेट गेल। 12 करोड़ टका वार्षिक किराया पर इ लेल गेल अछि आ दिसंबर मे उपलब्ध भ जाएत। एकर उपयोग मुख्य रूप स नक्सल अभियान लेल कैल जाएत। गृह मंत्रालय एकरा लेल राशि उपलब्ध करा देलक अछि। डीजीपी अभयानंद क अनुसार नक्सल अभियान लेल आबि रहल हेलीकाप्टर क बेस पटना छोडि कए दोसर जिला मे बनाउल जाएत। निश्चित रूप स बेस स्‍थल क चयन मे नक्सली सक्रियता क ध्यान राखल जाएत।
गृह मंत्रालय नक्सलग्रस्‍त राज्‍य कए हेलीकाप्टर क व्यवस्था करेबाक आश्‍वासन देने छल। गृह मंत्रालय राज्य सरकार कए एहि लेल अधिकृत केने छल जे ओ स्वयं हेलीकाप्टर खरीद करए। हेलीकाप्टर लेल राशि मंत्रालय देत। पुलिस मुख्यालय क स्तर पर तीन बेर हेलीकाप्टर क्रय लेल निविदा आमंत्रित कैल गेल मुदा तकनीकी पेंच मे मामला आगू नहि जा सकल। तखन अंत मे पुलिस मुख्यालय हेलीकाप्टर कए किराया पर लेबाक योजना बनेलक। पहिने त कोनो कंपनी 16 सीट वाला हेलीकाप्टर उपलब्ध करेबा लेल तैयार नहि भेल। मुदा तेसर प्रयास मे मामला तय भ गेल। डीजीपी क अनुसार नक्सलग्रस्‍त क्षेत्र मे एसटीएफ आ सीआरपीएफ क दस्ता तैनात अछि। हेलीकाप्टर बेस एहि क्षेत्र मे बनेबाक विचार अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments