आखिर बांटल गेल बिहार राज्य बिजली बोर्ड

पटना। पिछला पांच साल स बिहार मे बिजलीक दशा सुधारबा लेल बिहार राज्य विद्युत बोर्ड कए पांच अलग-अलग कम्पनी मे बांटबाक प्रयास चलि रहल छल। अंतत: एहि संबंध मे राज्‍य सरकार अधिसूचना जारी करि देलक अछि। एहि कम्पनी क क्षेत्र निर्धारित करि देल गेल अछि। अधिसूचना क संग बोर्ड क संपत्ति आ दायित्‍व क हस्तांतरण राज्य सरकार कए भ गेल। सरकार एकरा कम्पनी क बीच बांटत।
ऊर्जा विभाग द्वारा जारी अधिसूचना क अनुसार बोर्ड क पदाधिकारी आ कर्मचारी क सेवा पुनर्गठन क पश्चात सबटा नव इकाइ मे बरकरार रहत। हुनकर सेवा शर्त कए वर्तमान सेवा शर्त स कम नहि कैल जाएत। कम्पनी यदि एहन सेवा शर्त कए पूरा नहि करैत अछि त एहन स्थिति मे सरकार ओहि सुविधा कए सुनिश्चित करबाक गारंटी दैत।
कार्य क्षेत्र आ जिम्मेदारी क संबंध मे जानकारी देल जा रहल अछि जे कम्पनी क पंजीकरण लेल निदेशक मंडल बनत। ओ एहि प्रकार स होएत..
(1) बिहार राज्य विद्युत कम्पनी : एकरा मुख्यालय मे होल्डिंग कम्पनी क रूप मे राखल गेल अछि। एकर दायित्व नवगठित कम्पनी क सामंजस्य स्थापित करब अछि। एकर जिम्‍मा मे ओ सबटा काज रहत जे कोनो कम्पनी कए आवंटित नहि भेल अछि।
(2)बिहार राज्य विद्युत उत्पादन कम्पनी : एकर जिम्‍मा मे बरौनी थर्मल पावर स्टेशन आ संयुक्त क्षेत्र क एहन उत्पादन कम्पनी शामिल अछि, जाहि मे बोर्ड क निवेश अछि।
(3) दक्षिण बिहार विद्युत आपूर्ति कम्पनी : एकर तहत बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क मगध विद्युत आपूर्ति क्षेत्र, पेसू विद्युत आपूर्ति क्षेत्र, पटना विद्युत आपूर्ति क्षेत्र आ भागलपुर विद्युत आपूर्ति क्षेत्र क सबटा अंचल यथा पेसू पूर्वी, पेसू पश्चिमी, पटना, नालन्दा, भोजपुर, गया, सासाराम, मुंगेर आ भागलपुर विद्युत आपूर्ति अंचल शामिल अछि। एहि क्षेत्र मे स्थापित तकनीकी सेवा प्रमंडल, पोल यूनिट, सुरक्षा यूनिट आ असैनिक प्रमंडल एकर अधीन रहत।
(4) बिहार राज्य संचरण कम्पनी : संचरण प्रणाली स संबंधित मुख्यालय स्थित संरचना आ क्षेत्रीय स्तर क ट्रांसमिशन जोन एकर अधीन रहत। एकर मुख्यालय पटना राखल गेल अछि।
(5) उत्तर बिहार विद्युत आपूर्ति कम्पनी : एकर मुख्यालय सेहो पटना रहत। एहि कम्पनी मे बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क तिरहुत विद्युत आपूर्ति क्षेत्र, मिथिला विद्युत आपूर्ति क्षेत्र आ कोसी विद्युत आपूर्ति क्षेत्र क सब अंचल यथा मोतिहारी, छपरा, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, समस्तीपुर, पूर्णिया आ सहरसा विद्युत आपूर्ति अंचल शामिल कैल गेल अछि। उक्त क्षेत्र मे स्थापित तकनीकी सेवा प्रमंडल, पोल आ सुरक्षा यूनिट क असैनिक प्रमंडल कम्पनी क अधीन राखल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.