आकाशवाणी दरभंगा स मैथिली समाचार क प्रसारण शीघ्र

0
11
esamaad maithili newspaper

न्यूज रूम आ अन्य व्यवस्था लेल मांगल गेल रिपोर्ट, दू दशक बाद पूरा होइत सपना
दरभंगा/नई दिल्ली । आब लोक कए आकाशवाणी क दरभंगा केंद्र स सेहो समाचार सुनबा लेल भेट सकैत अछि। एकरा लेल महानिदेशालय पहल शुरू करि देलक अछि। महानिदेशालय 11वीं पंचवर्षीय योजना मे सात क्षेत्रीय समाचार एकांश स्थापित करबाकनिर्णय लेलक अछि। जाहिमे पुंज, जोधपुर, राजकोट, विशाखापट्टनम, संभलपुर आ पासीघाट क संग दरभंगा सेहो शामिल अछि। आकाशवाणी महानिदेशालय, दिल्ली क अभियंत्रण निदेशक एके दीक्षित आकाशवाणी दरभंगा केंद्र कए पत्र लिखकए एकरा लेल रिपोर्ट मंगलथि अछि। श्री दीक्षित न्यूज रूम आ न्यूज आन फोन रूम क लेल 24 वर्गमीटर क दूटन कोठली क लेल 48 वर्गमीटर जगह क उपलब्धता क संगहि समाचार एकांश क लेल विद्युत सहित अन्य खर्च क संभावित ब्योरा सेहो मंगलथि अछि। श्री दीक्षित पूरा रिपोर्ट अतिशीघ्र पठेबाक निर्देश देलथि अछि। एहि संबंध मे पूछला पर आकाशवाणी दरभंगा क प्रभारी केंद्र अभियंता आईडी ठाकुर कहलाह जे पत्र क आलोक मे जानकारी दिल्ली पठाउल जा रहल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे 2 फरवरी, 1976 कए दरभंगा मे आकाशवाणी केंद्र क स्थापना क बाद स मिथिलावासी एहि ठाम स मैथिली मे समाचार प्रसारित सुनबाकसपना देखैत छथि। एकरा लेल विभिन्न संगठन क दिस स समय-समय पर आवाज सेहो उठल। करीब दू दशक बाद ‘मैथिली संवादÓ क नाम स समाचार क प्रसारण त आरंभ भेल हुआ, मुदा एकर प्रसारण मात्र एहि ठाम स शुरू भ सकल। दरभंगा मे समाचार यूनिट नहि रहबाक कारण पटना मे न्यूज तैयार करि ओतहि स ‘ई आकाशवाणी दरभंगा थिकÓ उद्घोषणा क संग ‘मैथिली संवादÓ प्रतिदिन पढ़ल जा रहल अछि। एकरा दरभंगा केंद्र रिले कए प्रसारित करैत अछि। समाचार एकांश क स्थापना क बाद खबर एतहि तैयार करि प्रसारित भ सकत। संगहि प्रसारित होइवाला समाचार क संख्या आ अवधि क सेहो विस्तार भ सकत।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page