आउ मिलि कए खुशी मनाउ : नीतीश

सुपौल। भपटियाही-निर्मली क बीच कोसी नदी पर बनल फोरलेन सड़क-पुल क लोकार्पणक उपरांत निर्मली कॉलेज मैदान मे आयोजित जनसभा कए संबोधित करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे एकटा आकांक्षा छल जे पूरा भ गेल आ एहन खुशी क मौका पर किछु बजबाक जरूरत नहि होइत अछि। आइ त बस खुशी मनेबाक दिन छी आ हम अहां सबहक एहि खुशी मे शामिल हेबा लेल आयल छी। ओ कहला जे इ कोनो मामूली काज नहि भेल अछि। एहि ठाम सेतुक निर्माण एकटा कठिन काज छल। ओ कहला जे सड़क आ पुल बनलाक बाद इ इलाका खुद व खुद विकसित भ जाएत। नीतीश कहला जे हुनकर सपना अछि जे छह घंटा मे सुदूर इलाका क लोक राजधानी पटना पहुंच जाए। एहि दिशा मे बहुत किछु भेल अछि आ बहुत पर काज चलि रहल अछि। बिहार मे बहुत अंतर आयल अछि। लोक बिहार मे पूंजी निवेश लेल उत्सुक छथि आ बिहार क प्रति विश्वास सेहो जगल अछि। बिहार क विकास लेल मिल जुल कए काज करबाक जरूरत अछि। एहन मे केन्द्र आ राज्य क योजना स सड़क आ पुल निर्माण समय स होएत एकर उम्‍मीद करैत छी। कोसी महासेतु क लोकार्पण लेल केन्द्रीय मंत्री क आभार व्यक्त करैत ओ कहला जे बिहार क मामला मे आओर बेसी सहयोग क अपेक्षा अछि। नीतीश कहला जे कोनो जिला क लोक लेल एहि स बेसी कष्‍ट क गप की भ सकैत अछि जे ओ अपन अंचल कोनो आन देशक जमीन स भ कए जाइत छलाह। एहि पुल कए बनि गेलाह स निर्मली आ सुपौल क बीच आवागमन लेल नेपाल जेबाक बाध्‍यता आब खत्‍म भ गेल। मुख्‍यमंत्री कहला जे बिहार मे चारूकात सडक आ पुल बनि रहल अछि। मंगलदिन सेहो पिल्‍खी घाट पुलक लोकार्पण भेल अछि। गंगा पर सेहो कईटा पुल बनि रहल अछि। सोन आ गंडक पर सेहो पुल निर्माण भ रहल अछि। पहिने राज्‍य मे चारि लेन क सडक नहि जेकां छल मुदा आब चारि लेनक सडक सब दिस देखबा मे भेट रहल अछि आ जतए नहि अछि ओहि ठाम बनेबाक तैयारी भ रहल अछि। मुख्‍यमंत्री कहला जे किछु लोकक मानब अछि जे उद्योग जतए लगैत अछि सडक ओहि ठाम बनए, मुदा हमर शुरू स मानब छल जे जाहि ठाम सडक होइत अछि ओतहि उद्योग लगैत अछि आ हम अपन एहि मत स काज क रहल छी।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. ई दिन हर्षक अछि जे 70 वर्षक टूटल संबंध पुनः एकबेर स्थापित होयत . एहि सं मिथिलाक मात्र भौत्तिक विकास टा मे नहि लाभ हेतैक , मिथिलाक सांस्कृतिक लाभ सेहो हेतैक । सम्पूर्ण मिथिला वासी कें एहि सनेस लेल शुभकामना।

Comments are closed.