आउ मनाउ ‘बिहार दिवस’


पटना। राज्य क कार्मिक आ प्रशासनिक विभाग अधिसूचना जारी करि 22 मार्च कए ‘बिहार दिवसÓ क मौका पर राज्यभरि क सबटा सरकारी कार्यालय आ विद्यालय मे विशेष अवकाश क घोषणा कैल गेल अछि।
दोसर दिस, राज्य क कला संस्कृति विभाग एहि साल पटना क अलावा देश क चारिटा पैघ शहर कोलकता, बेंगलुरू, दिल्ली आ मुंबई मे सेहो एहि मौका पर समारोह क आयोजन करबाक निर्णय लेलक अछि। विभाग क एकटा अधिकारी क मुताबिक एहि समारोह मे लोक कए बिहार क लोक संस्कृति देखबाक संग-संग लिट्टी-चोखा जइसन पारंपरिक व्यंजन क सेहो लुत्फ उठेबाक मौका भेटत। अधिकारी क कहब अछि जे ‘बिहार दिवस’ क अवसर पर पहिल बेर कोनो समारोह क आयोजन राज्य क बाहर कैल जा रहल अछि। किया जा रहा है। एहि दिन बिहारी अस्मिता कए अक्षुण रखबा क संदेश नव पीढ़ी कए देबा लेल राज्य क 22,000 प्राथमिक आ मध्य विद्यालय क संग-संग 3000 उच्च विद्यालय क छात्र-छात्रा कए विद्यालय मे सामूहिक रूप स शपथ दियाउल जाए।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.