आउ प्रत्यय अमृत पर गर्व करि

कहल जाइत अछि जे बिहारक लोक प्रशासन 60क दशक मे सबस नीक छल आ 90क दशक मे इ अपन सबस खराब दिन देखलक। करीब मरनासन्‍न भ चुकल बिहारक लोक प्रशासन कए अमृत भेल गेल आ ओ एक बेर फेर अपन रूप मे सामने आबि रहल अछि। पुलकित मन इ कहबा स नहि गुरेज करि रहल अछि जे आइ बिहारक लोक प्रशासन फेर देश मे अव्‍वल भ गेल अछि। एकर सबूत आइ विज्ञान भवन मे देखबा लेल भेटल। बिहार मे जर्जर पुल निर्माण निगम कए कायाकल्प करि देनिहार प्रत्यय अमृत कए हुनकर लोक प्रशासन मे उत्कृष्ठ काज लेल प्रधानमंत्री विशिष्‍ट पुरस्कार स सम्मानित केलथि अछि। कोनो आइएएस लेल इ पुरस्‍कार जीवनक सबस पैघ उपलब्धि होइत अछि, मुदा प्रत्‍यय कए भेटल इ पुरस्‍कार स बिहार पर लागल प्रशासनिक अकर्मन्‍यता क कलंक सेहो धोआ गेल।
पटना स्थित राज्य पुल निर्माण निगम लिमिटेड क अध्यक्ष प्रत्यय अमृत कए एकटा एहन कंपनी कए फायदा मे अनबाक श्रेय जाइत अछि जेकर संबंध मे कहल जाइत छल जे एकरा भगवान सेहो नहि बचा सकैत छथि। मुदा प्रत्‍यय पिछला वित्त वर्ष मे 80 करोड़ टकाक मुनाफ़ा द एकरा कमाउ पूत बना देलथि। प्रत्‍यय कए एकरा मुनाफा देननिहार निकाय मे बदलबाक उत्कृष्ठ योगदान क लेल प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह जखन विज्ञान भवन मे सम्मानित केलथि त पूरा बिहार अपन कलंक मिटबाक आनंद मे डूबल छल। दिसंबर, 2008 तक सब लंबित पुल निर्माण योजना कए पूरा करबा स घाटा मे चलि रहल कंपनी न केवल अपन कर्ज चुकता केलक बल्कि सड़क आ मकान निर्माण क अलावा सिंचाई क्षेत्र मे सेहो प्रवेश करि रहल अछि। राजधानी पटना मे सौंदर्यीकरण आ सड़क निर्माण परियोजना कए सेहो इ समय पर पूरा केलक अछि।
प्रधानमंत्री क हाथ्‍ा स सम्मानित भेलाक बाद प्रत्यय कहला जे इ बीआरपीएनएन क सब सदस्‍य क सम्मान अछि। प्रत्यय कहला जे हुनकर प्रयास कए सराहल गेल इ बहुत खुशी क गप अछि। ओ कहला जे एहि स बिहारक प्रशासन क संबंध मे लोकक धारणा बदलत। इ सफलता कोनो एक व्‍यक्ति क नहि छी इ समस्‍त बिहारक लोकक छी।
भ्रष्टाचार क मुद्दा परओ कहला जे बिहार मे भ्रष्टाचार क खिलाफ लड़ाई शुरू भ चुकल अछि। बिहार सम्भवत: एहन पहिल राज्य अछि जतए सब अधिकारी क सम्पत्ति क विवरण वेबसाइट पर भेट सकैत अछि। ओ कहला जे बिहार मे सेवा क अधिकार कानून लागू हुए जा रहल अछि।
नव भारतीय प्रशासनिक अधिकारी कए संदेश दैत कहला जे लोक बड मेहनतक बाद एहि ठाम तक पहुंचैत अछि एहि लेल हमरा सब कए समाज कए किछु नीक देबाक कोशिश करबाक चाही।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments