आईवीआरसीएल कए भेटल मुजफ्फरपुर मे जलापूर्ति क ठेका

मुम्बई । आधारभूत संरचना क्षेत्र क कम्पनी आईवीआरसीएल लिमिटेड कए मुजफ्फरपुर मे जलापूर्ति क ठेका भेटल अछि। कम्पनी शेयर बाजार कए देल अपन नियमित सूचना मे कहलक अछि जे ओकर भवन, परिवहन आओर जल कारोबार करैवाला इकाइ कए 552.31 करोड़ टका क ठेका भेटल अछि। कंपनीक अनुसार ओकर जल इकाई कए बिहार क मुजफ्फरपुर मे जलापूर्ति क एकटा महत्‍वपूर्ण परियोजना लेल 59.31 करोड़ टकाक ठेका भेटल अछि। बम्बई स्टॉक एक्सचेंज मे कम्पनी क शेयर तीन फीसदी स बेसी क तेजी क 36.85 टका पर कारोबार करि रहल अछि। जल इकाइ क अलावा कंपनी क भवन इकाई कए 418.51 करोड़ क ठेका भेटल अछि। एहि स ओ दिल्ली मे शहरी गरीब लेल कम लागत क मकान, छत्तीसगढ़ मे भिलाई इस्पात संयंत्र क भवन निर्माण कार्य आओर तमिलनाडु मे केंद्रीय औद्योगिक सुरक्षा बल क एकटा आरक्षित बटालियन लेल एक संरचना तैयार करत। परिवहन इकाई कए ओडिशा मे एकटा सड़क क चौड़ीकरण लेल 74.49 करोड़ क ठेका भेटल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments