आईटी कए भेटत उद्योग क दर्जा

nitish-itपटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे राज्य मे सूचना प्रौद्योगिकी क नीति कए अंतिम रूप देल जा रहल अछि। एहि मे एकरा उद्योग क दर्जा देल जाइत आ प्रदेश मे एकर तहत उद्यमी कए विभिन्न प्रकार क रियायत सेहो भेटत। इन्फोकाम 2009-10 क सम्मेलन सह प्रदर्शनी क पटना मे उद्घाटन करैत मुख्यमंत्री कहला जे एहि तरह क आयोजन स प्रदेश मे सूचना प्रौद्योगिकी क्षेत्र कए विशेष लाभ भेटत आ बिहार आईटी क क्षेत्र मे ऊंच छलांग लगाउत। ओ कहला जे 13म वित्त आयोग कए बिहार स पठाउल गेल दस्तावेज क न सिर्फ तारीफ भेल, बल्कि अन्य प्रदेश सेहो बिहारक अनुकरण करबा लेल दस्तावेज मांगा रहल अछि। गुणवत्ता क संग रजिस्ट्रेशन क काज करबाक कारण स प्रधानमंत्री द्वारा बिहार कए ई गवर्नेस क सर्वश्रेष्ठ पुरस्कार देल गेल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे सूचना क अधिकार क तहत देश मे पहिल बेर बिहार द्वारा जानकारी देबाक लेल काल सेन्टर संचालित कैल गेल आ मनरेगा क तहत सेहो बायोमेट्रिक्स आधारित स्मार्ट कार्ड देल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments